पटना, जुन २८, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
चेतना समितिक वार्षिक आम सभा मे मैथिली भाषाक युवा रचनाकार – कवि, गीतकार आ लेखक अमित मिश्रक नव रचना बाल काव्य संग्रह ‘अंशु बनि पसरि जाएब’ पोथीक विमोचन कैल गेल अछि। एहि विमोचन कार्यक्रम मे चेतना समिति, पटना केर अध्यक्ष विजय कुमार मिश्र केर संग संपादकद्वय वासुकीनाथ झा आ डा. रमानन्द झा रमणक अतिरिक्त समितिक अन्य पदाधिकारी लोकनि उपस्थित छलाह। ई पोथी पटनाक शेखर प्रकाशन द्वारा प्रकाशित कैल गेल अछि। रचनाकार अमित मिश्र मिथिला-मैथिलीक सुप्रतिष्ठित संस्थाक एतेक महत्त्वपूर्ण कार्यक्रम मे अपन पोथीक विमोचन भेला पर हर्ष व्यक्त केलनि आ मैथिली मे रचना करैत रहबाक वचनबद्धता दोहरौलनि। एहि पोथीक संछिप्त समीक्षा करैत संपादकद्वय युवा पीढी मे मैथिली रचना प्रति अमित मिश्र समान स्नेह होयबाक प्रेरणा आरो युवाजन मे जाइक से कहैत बाल-बालिका लेल ई रचना अनुपम उपहार समान होयबाक बात कहलनि। मैथिली साहित्यक विभिन्न विधा मे बाल-बालिका लेल लेखनी कठिनाह होइत छैक, लेकिन कविक बालमन सँ निकलल सुन्दर-सुन्दर कविता सँ भरल ई पोथी अवश्य एकटा कीर्तिमान् स्थापित करत ताहि तरहक भावना उद्गार विमोचनकर्ता लोकनिक आयल।