१९ मार्च २०२२ । मैथिली जिन्दाबाद!!
सामाजिक संजाल सँ संचालित अभियान दहेज मुक्त मिथिला द्वारा प्रत्येक सदस्य सँ अपन-अपन गाम मे एकटा बैनर लगबेबाक आग्रह कयल गेल अछि। एहि बैनर मे बैनर प्रायोजक अपन फोटो आ व्हाट्सअप नम्बर देथि, ताहि नम्बर मार्फत दहेज मुक्त विवाह केर प्रस्ताव (वैवाहिक परिचय, फोटो, आदि सहित) प्राप्त करथि आ तदनोपरान्त समूह पर संकलित किंवा प्रेषित परिचय व प्रस्ताव मे सँ या फेर नव-नव परिचय स्वयं पोस्ट करैत आपस मे वैवाहिक जोड़ी मिलानीक कार्य केँ जनस्तर पर करथि। एहि तरहें बहुतो लोक केर लम्बित विवाह आ समय पर उपयुक्त कथा नहि भेटबाक समस्याक निदान होयत। ई बात दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि। हुनका द्वारा कयल गेल आह्वान निम्न अछिः
“काजक बात पर ध्यान जरूरीः
विषयः अपन-अपन गाम मे एक बैनर लगबा एहि अभियान केँ सहयोग करी।
पिछला दिन एक वेबिनार ‘दहेज मुक्त मिथिला आ युवातुरक विचार-सहभागिता’ मे एक गणमान्य सदस्य किशोर मिश्र जीक सुझाव अपन-अपन गाम मे एक बैनर लगबा एहि अभियान केँ जन-जन धरि पहुँचाबय मे सहयोग भेटत, एहि लेल आम आह्वान कयल जा चुकल अछि। बैनर प्रायोजक के रूप मे ३००-५०० टका के खर्च पर एकटा फ्लेक्स बैनर अपने लोकनि डिजाइन कराकय अपन-अपन गाम मे अपनहि फोटो ‘निवेदक’ के रूप मे राखिकय लगबा सकैत छी।

विनीतः
दहेज मुक्त मिथिला समूह”