१९वीँ पुण्य तिथि पर खुशीलाल बाबू याद कयल गेलाह

हटनी, मधुबनी। 5 फरवरी 2022, मैथिली जिन्दाबाद!!

१९वीँ पुण्य तिथि पर खुशीलाल बाबू याद कयल गेलाह
बसंत पंचमी शुक्लपक्ष शिशिर ऋतुमे बिहारक मधुबनी जिला स्थित घोघरडीहा प्रखंड केर सरौती पैतृक गांवमे समारोह पूर्वक याद कयल गेलाह खुशी बाबू। भुतपूर्व चियरमैन साहेब श्री खुशी लाल कामत निर्पेक्ष शिक्षाप्रेमी, स्वाधिनता सेनानी, समाजवादी सोचक व्यक्तित्वक समाजसेवी रहथि ओ। हुनकर स्टेचू पर माल्यार्पण करैत मिथिलांचल कोसी विकास समिति-हटनी केर प्रवक्ता लालदेव कामत जनौलनि जे स्व० खुशी लाल बाबू १९७२मेँ फुलपरास विधानसभा क्षेत्र सँ विधायक लेल चुनाव लड़ल छलाह आ ३५हजार वोट आनि दोसर स्थान पर रहल छलाह। ओ अपना गाम में मध्य विद्यालय बनेलनि, हाई स्कूल स्थापीत केलाह आ होस्पीटल लेल सेहो भुमि उपलव्ध करेलनि। हटनी संग घोघरडीहा प्रखंड जेबाक लेल सड़क बनबौलनि।
कोशी बाढिक समयमे बहुतों परिवार मेँ खरातेटा नहिं पढल लिखल लोककै नौकरी सेहो लगेलनि। गृहविहीन लोक के बासस्थल जमीन दैत किए भुलाने यज्ञ के प्रणेता संत विनोबा भावेजी केँ सेहो भुमि दान देलखिन। भारत आजाद मेला पर स्वतंत्रता सेनानी पेंशनर परित्याग केलनि। अध्यात्म आ आ सदविचार मेँ रहैत छलाह। लाल बाबु, लालबच्चा आ किशन जीके अतिरिक्त प्रमुख लोक में सुनकर एकलौता पुत्र हरिनाथ बाबू आदि पुष्पांजलि अर्पित करैत हुनकर पदचिन्ह पर चलबाक संकल्प लेलनि। अमर रहे गगनभेदी नारा सँ अनुगुँज चारूदिश बुझाता रहय।