प्रगतिशील किसान गोष्ठी

लाल देव कामत, हटनी, मधुबनी। 5 फरवरी 2022, मैथिली जिन्दाबाद!!

प्रगतिशील किसान गोष्ठ

पंचायतमे एकठामक सामुहिक बैसार संभव नहिँ हुअय तँ विकेंद्रीकरण कय गामे-गाम कृषि जागरूकता अभियान लेल विभाग जागृति आनत। बिहार क’ ऐ ग्लोबल वार्मिंग केर दौड़मे एक्टा नव डेग आगू बढ़त। एक सिंचाई सँ आ सुखा पड़त तैयो गहुंममे नीक उपज संभव होयत। ताहि लेल अंतिम जोतायमे प्रति हेक्टेयर १० किग्रा० नाइट्रोजन वाला पाउडर सुपर एव्जरवेंट पालिभर (एनएसपी) मिलावट करय परतैक। धान में सेहो कम पानि लेल एहिक उपयोग हेतैक। तकर चर्चा भारत भरिमे भ’ रहलैक अछि।

बिहार राज्यके लीची, आम, पान आ माछके विमान सँ देश सँ बाहर पठाउल जाइछ, परंच मखान बेशी जगह छेकैत छैक तेँ जहाज कार्गो ट्रांसपोटिंग लेल भारत सरकार ध्यान दैथि। मखाना अनुसंधान मेँ लागल किसान सलाना १०-१२ हजार टन उत्पादन करैत छैक, ट्रक आ रेल सं मिथिलांचल सँ जाईछ। गाम सँ पलायन कोनू किसान नहिँ करय ताहि लेल विचार विमर्श आई नौआबाखरमे भेल। २८ कृपा भीतर समुहक सदस्य केर सहभागिता भेलैक।