सहरसा, १६ अगस्त २०२१ । मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला पुनर्मिलन केन्द्रक भव्य मुख्यालयक भेल उद्घाटन
सहरसा, मैथिली जिन्दाबाद समाद । मिथिला आ मैथिली केँ सम्पोषित करबाक उद्देश्य सँ अनेको संस्था भारत आ नेपाल मे संचालित अछि, सभक अपन उद्देश्य आ कार्यशैली छैक । एहिक्रम मे मिथिला क्षेत्र मे एकटा नव संस्था तँ नहि, अपितु नव परियोजनाक आरम्भ हुअय जा रहल अछि “मिथिला मॉडल गाँव परियोजना” नाम सँ । बतेने चली जे उत्तर प्रदेश मे पदस्थापित भारतीय प्रशासनिक सेवाक वरिष्ठ पदाधिकारी हीरालाल जी आ सेल, बोकारो’क सेवानिवृत्त अभियन्ता अमरेन्द्र कुमार झाक संयुक्त परिकल्पना आ नेतृत्व मे झारखण्डक कैक जिला मे ई मॉडल गामक ई परियोजना जमीन पर देखार द’ रहल अछि । एहि सँ उत्साहित भ’ अमरेन्द्र कुमार झा एहि परियोजना केँ मिथिला मे पसारबाक उपक्रम मे लागल छथि आ ताहि क्रम मे काल्हि स्वतंत्रता दिवसक अवसर पर मिथिलाक केन्द्रस्थली सहरसा जिलाक प्रसिद्ध बनगाँव मे “मिथिला पुनर्मिलन केन्द्र” नाम सँ एहि परियोजनाक मुख्यालय भवन उद्घाटन भेल । एहि अवसर पर उद्घाटनकर्ता रूप मे अप्रवासी मैथिल उद्यमी अजय झा, विशिष्ट अतिथि भारतीय प्रशासनिक सेवाक पूर्व अधिकारी श्यामल पाठक सदेह उपस्थित भ’ परियोजनाक उद्देश्य आ रूपरेखा पर विस्तृत विमर्श कयलन्हि । जखन कि जूम मिटींगक माध्यमे आइ ए एस हीरालाल जी, संयोजक अमरेन्द्र कुमार झा, काउन्सेलर शरद कुमार झा (इंग्लैंड), परमेश्वर झा (जिला कृषि पदाधिकारी, किशनगंज), डा. रमण झा (बेगूसराय), कर्नल बी बी सिंह (सीतामढ़ी), किशोर चौधरी (पटना) सहित कैकटा महत्वपूर्ण व्यक्तित्व उद्घाटन सँ जुड़ल छलाह ।
आवासीय आ कार्यालयीय सभ तरहक सुविधा सँ सम्पन्न “मिथिला पुनर्मिलन केन्द्र” मिथिला केँ जोड़यवला महत्वपूर्ण राष्ट्रीय राजमार्ग 107 (प्रस्तावित भारतमाला) पर अवस्थित अछि, जतय सँ मिथिला क्षेत्रक सभ जिला नजदीक पड़ैत अछि । आस अछि जे ई केन्द्र मिथिलाक ग्राम्य विकासक नव द्वार खोलबा मे सफल सिद्ध होयत । पारस कुमार झा आ सुमन समाजक संयोजन आ किसलय कृष्णक संचालन मे आयोजित एहि ऐतिहासिक उद्घाटन समारोह मे सुपौल सँ समाजसेवी मुन्ना चमन, शशि यादव, दरभंगा सँ जैविक पद्धति सँ कृषिकार्य करनिहार शशिरंजन आ नवीन जी, सहरसाक ग्रामीण क्षेत्र सँ अरुण कुमार, संजीव सिंह, लखन सिंह, अरविन्द झा सहित दर्जनों सामाजिक कार्यकर्ता उपस्थित छलाह । एहि अवसर पर बनगाँवक प्रबुद्ध समाज रूप मे बैंककर्मी शशिधर खाँ, त्रिभुवन विश्वविद्यालयक प्राध्यापक प्रो. ईन्दुशेखर झा, चन्द्रशेखर झा, आर्यागो कैबक संचालक दिलखुश कुमार आदि उपस्थित छलाह । माछ भातक भोज संग कार्यक्रम समापन भेल, ई घोषणा करैत जे ई समापन नहि आरम्भ थिक ।
(सहरसा कार्यक्रम स्थल सँ किसलय कृष्ण)