Search

एन्टा के छठम् महाधिवेशन लेल प्रवीण शुभकामना

शुभकामना सन्देश
 
विराटनगर,
१५ अगस्त २०२१ ।
 
श्री मोहन यादव
संयोजक, छठम् एन्टा साधारण सभा
वाशिंगटन, संयुक्त राष्ट्र अमेरिका।
 
प्रिय मोहन भाइ,
 
एसोसिएशन ऑफ नेपाली ताराइयन इन अमेरिका (ANTA) केर छठम् महाधिवेशन अमेरिकाक वाशिंगटन डिसि मे यैह २१ अगस्त २०२१ तदनुसार शनि दिन होबय जा रहल अछि। एन्टा केर विभिन्न आयोजन मे अपने सभक संग यात्रा करैत हम अनुभव कयलहुँ जे एन्टा द्वारा मैथिली भाषा, मिथिला संस्कृति, मैथिल समाज प्रति सदिखन सजग-सक्रिय-समर्पित भावना सँ ओतप्रोत रहिकय अपने लोकनि संरक्षण, संवर्धन आ प्रवर्धन केर प्रयास करैत रहलहुँ। डा. इन्द्रदेव साहु केर कुशल नेतृत्वक संग पूर्व अध्यक्ष (नेतृत्वकर्ता) व सलाहकार लोकनि आ विशेष रूप सँ अहाँ स्वयं एक बेहतरीन संयोजक आ कुशल मंच संचालक-उद्घोषक केर रूप मे अनेकन गम्भीर आ जरूरी विषय पर केन्द्रित महत्वपूर्ण विमर्श सहितक आयोजनादि करैत रहलहुँ। आगामी दिन मे एन्टा व नेपालक विभिन्न संघ-संस्था बीच सहकार्यक संस्कृति केँ आर बढबैत विदेह-सदेह उपस्थितिक आरो बहुत रास जरुरी कार्यक्रम सभक आयोजन करबाक योजना अछिये। हम स्वयं मैथिली जिन्दाबाद पर अहाँ सभक गतिविधि केर दस्तावेजीकरण करैत सदिखन आह्लादित होइत रहल छी। मिथिला समाजक समरसता आ सौहार्द्रता केँ सदा-सनातन सुरक्षित रखबाक विशेष जिम्मेदारी सेहो एन्टा सम्हारैत रहय, ताहि शुभकामना सहित नव कार्यकारिणीक प्रत्येक पदाधिकारी एवं सदस्य लोकनि मे हमर बधाई आ शुभकामना प्रेषित कय रहल छी। ईश्वर सदिखन सहाय रहथि, कोरोना महामारी सँ सम्पूर्ण विश्व आ मानव समुदाय जल्दी ऊबार पाबय!
 
सधन्यवाद,
 
प्रवीण नारायण चौधरी
अध्यक्ष, मैथिली एसोसिएशन नेपाल,
विराटनगर।

Related Articles