कोविड-१९ विरूद्ध संघर्ष मे एम्स पटना केर उपयोगी पहलः प्रशिक्षक केँ प्रशिक्षण

पटना, मैथिली जिन्दाबाद।

एम्स पटना द्वारा बिहारक ३८ जिलाक प्रशिक्षक केँ प्रशिक्षण सम्पन्न

कोविड-१९ कोरोना रोगी केर विशेष देखभाल लेल प्रशिक्षक लोकनि केँ प्रशिक्षण कार्यक्रम

एम्स पटनाक पहल पर यूएसएड राइज तथा झपियेगो टीम द्वारा कुल ४२ दिन केर विशेष प्रशिक्षण कार्यक्रम – किछु विशिष्ट चयनित चिकित्सक एवं नर्सिंग स्टाफ्स केँ अन्य चिकित्सक व नर्सिंग स्टाफ्स केँ प्रशिक्षण देबाक उद्देश्य सँ संचालित भेल, जेकर समापन २८ जुलाई २०२१ केँ भेल अछि। एहि प्रशिक्षण कार्यक्रम केर मुख्य विशेषताक सम्बन्ध मे डा. अश्विनी कुमार – प्रोग्राम पदाधिकारी द्वारा उपलब्ध करायल गेल विन्दु अनुसार –

*ई कुल ४२ दिन धरि निरन्तरता मे संचालन कयल गेल।

*एहि मे सहभागी लोकनिक उपस्थिति प्रत्येक कक्षा (सत्र) मे १००% रहल।

*कुल २३५ गोट स्वास्थ्यकर्मी जाहि मे १५४ नर्सिंग स्टाफ्स आ कुल ८१ गोट चिकित्सक सहभागी भेलथि।

*सम्पूर्ण ३८ जिला लेल कुल ९० गोट प्रशिक्षक द्वारा प्रशिक्षु लोकनि केँ प्रशिक्षण देल गेल।

*कोविड-१९ सँ जुड़ल विभिन्न महत्वपूर्ण विन्दु पर ३ दिनक प्रत्यक्ष अन्तर्क्रियात्मक व्याख्यानक आयोजन सम्मिलित छल।

*एक दिन कोरोना कोविड १९ सँ सम्बद्ध हवाईयात्राक दौरान वांछित स्वास्थ्य सेवा, बेसिक लाइफ सिस्टम (बीएलएस), औक्सीजन थेरेपी, एनआईवी (नन-इनवेसिव वेन्टीलेशन – वेन्टीलेटर केर अभाव मे स्वांस प्रणाली केँ सहयोग करयवला प्रविधि), मेकेनिकल वेन्टिलेटर फ्लो तथा ग्राफिक्स पर आधारित तकनीक सभक सम्बन्ध मे प्रशिक्षण देल गेल छल।

*४ दिन के कोविड-१९ आईसीयू (इन्टेन्सिव केयर यूनिट – सघन उपचार कक्ष) केर अन्दर रोगी केँ कोना स्वास्थ्य सेवा देल जाय ताहि पर आधारित प्रशिक्षण देल गेल।

*५ दिन कोरोना रोगीक विभिन्न लक्षण आधारित रोगी केर इलाज वास्ते प्रशिक्षण देल गेल।

*लौग बुक एवं फीड बैक फौर्म्स पर सब प्रतिभागीक द्वारा प्रशिक्षण सम्बन्धी व्योरा आ अनुभव सम्बन्ध मे भरबायल गेल।

एहि प्रशिक्षण कार्यक्रम केर समापन सत्र मे आभासी उपस्थितिक संग बिहार केर राज्यपाल फागु चौहान, भारत सरकार केर सूचना व प्रसारण मंत्री अनुराग सिंह ठाकुर, बिहार सरकारक स्वास्थ्य सचिव प्रत्य अमृत, धार्मिक न्यास समिति सदस्य कुणाल कृष्ण, राष्ट्रीय कोविड-१९ टास्क फोर्स भारतक चेयरमैन प्रो. डा. एन के अरोड़ा, झपियेगो केर वरिष्ठ रणनीतिक सलाहकार डा. (श्रीमती) बुलबुल सूद, एम्स पटना के निदेशक प्रो. डा. पी. के. सिंह, एम्स पटनाक एमएस प्रो. डा. सी. एम. सिंह सेहो भाग लेलनि।

विदित हो जे ई कार्यक्रम एम्स पटना द्वारा यूएसएड राइज, झपियेगो आ बिहार सरकारक स्वास्थ्य विभाग केर सम्मिलित सहकार्य मे आयोजित भेल छल। एहि अवसर पर एम्स निदेशक डा. पी. के. सिंह सहित क्रिटिकल केयर वर्किंग ग्रुप एक्सपर्ट्स डा. अजीत, डा. कुणाल, डा. अभ्युदय, डा. अमरजीत, डा. पूनम (सब कियो एनेस्थेसिया विभाग), डा. संजीव (सीटीवीएस हेड), डा. अमित पाटिल आ डा. अशोक रस्तोगी (एफएमटी), डा. दिवेन्दु (मेडिसीन), डा. वीणा (बर्न एन्ड प्लास्टिक सर्जरी), श्री रतीश एवं श्री हंसमुख (मुख्य नर्सिंग फैकल्टीज) तथा टीम लीडर पल्लवी सिन्हा व सुपरिवेक्षक डा. परवेज मेनन संग सब सिविल सर्जन व डीपीएम बिहारक विभिन्न जिलाक उपस्थिति छल। समापन कार्यक्रमक अन्त मे डा. अश्विनी कुमार द्वारा सहभागी समस्त प्रशिक्षु, प्रशिक्षक, विशिष्ट अतिथि एवं संस्था प्रमुख लोकनिक संग समस्त सहयोगी-सहकर्मी प्रति धन्यवादक संग आभार केर संबोधन कयल गेल छल।