२ अगस्त २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!
प्रत्यक्ष भेंटघांट आ जमीनी अभियानक शुभारम्भ
दहेज मुक्त मिथिला दरभंगा समूह द्वारा १ अगस्त २०२१ केँ श्यामा माय मन्दिर परिसर मे सदस्य लोकनिक प्रत्यक्ष भेंटघांट आ जमीनी अभियानक शुरुआत कयल गेल। एहि कार्यक्रम मे आपसी परिचय उपरान्त अभियानक उद्देश्य आ ओकर प्राप्तिक दिशा मे डेग बढेबाक विन्दु पर विचार-विमर्श कयल गेल। काल्हि अचानक बिरौल मे रोड ब्लौकेड के कारण बहुत लोक केँ बीच रस्ता सँ घुमय पड़ि गेलनि, तथापि पहिल भेंटघांट कार्यक्रम मे ठीक-ठीक संख्या मे लोक सब एकत्रित भऽ जमीनी अभियानक श्रीगणेश कयलनि अछि। श्रीमती रंजना मिश्र, डा. प्रतिभा स्मृति, संगीता ठाकुर, प्रतिभा झा, चन्द्रप्रकाश झा एवं तरुणा झा केर उपस्थिति छल। सब कियो अपन-अपन विचार रखबाक संग एहि तरहक प्रत्यक्ष भेंटघांट आ निरन्तर अभियान संचालन हेतु बैनर व बैच बनेबाक निर्णय कयलनि।
विदित हो जे दहेज मुक्त मिथिला अभियान मे स्वेच्छा सँ मांगरूपी दहेज केर विरूद्ध स्वसंकल्प लेल जाइछ, तदनुसार सदस्यक संख्या बढेबाक दिशा मे समुचित डेग उठायल जाइछ। एहि तरहें जुड़ल सब सदस्य मिलिजुलि समाज सँ दहेज कुप्रथा अन्त करबाक लेल दहेज मुक्त विवाह केँ बढावा देबाक कार्य करैत छथि। बेसीतर ई अभियान सामाजिक संजाल मे मात्र सक्रिय रहिकय लक्ष्य दिशि बढबाक कार्य करैत अछि। परञ्च दरभंगा केन्द्र सँ जहिया सँ श्रीमती रंजना मिश्र जुड़लथि तहिये सँ हुनकर जोर एहि विन्दु पर रहलनि अछि जे सदस्य सभ केँ आपस मे भेंटघांट करैत एहि गतिविधि केँ आरो तेज करबाक जरूरत अछि, जखनहि १० गोटे आपस मे विचार-विमर्श करब आरम्भ करब तखनहि एहि अभियानक महत्व आ फायदा जमीन पर रहल हर घर आ परिवार तक पहुँचि सकत। उपरोक्त कार्यक्रम सँ हुनकर एहि सोच केँ नीक शुरुआत भेटल अछि जे आगामी दिन मे आर गतिशीलता प्राप्त करत। दरभंगा सदस्यक मिलन कार्यक्रमक प्रेरणा आरो नगर, क्षेत्र, गाम आदि मे होयबाक उम्मीद अछि ताहि मे दुइ मत नहि।
दरभंगा समूह सँ जुड़बाक लेल दरभंगाक आसपास के वासिन्दा होयब आवश्यक अछि आर एहि लेल व्हाट्सअप समूह केर लिंक पर अनुरोध पठेबाक अछि, ई बात दरभंगा समितिक डा. प्रतिभा स्मृति बतेलीह।
https://chat.whatsapp.com/ElaaKJ1zn4lALn0zB1lYtI
हरिः हरः!!