२ अगस्त २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!
सावधान मिथिला
मिथिला केर लोक आ विशेष रूप सँ महिला समुदाय केँ आ बेरोजगार युवक सब केँ फेसबुक आ मैसेंजर मार्फ़त भावनात्मक रूप सँ जोड़ि विभिन्न तरहक शोषण आ दोहन आदि करयवला लोक के सम्बन्ध में शिकायत भेटल अछि। कनाडा में रहि रहल अस्मिता चौधरी कहली जे आईएएस आ आईआईटी आईआईएम केर टैग लगाकय कथित प्रकाश झा नाम्ना एक व्यक्ति फ्रेंड रिक्वेस्ट पठेलनि, किछु म्यूच्यूअल फ्रेंड्स आ मिथिला के एक प्रशासनिक अधिकारी रूप में ओहदेदार व्यक्तित्व बुझि रिक्वेस्ट एक्सेप्ट कयल। किछु दिन बाद स्वयं केँ जयपुर में कार्यरत प्रशासनिक अधिकारी कहि 2 गोट सीडीपीओ पद पर कोनो अपन लोक केँ नौकरी लगा देबाक नाम पर प्राइवेट चैट आरम्भ कयलाह। जबर्दस्ती कोनो पारिवारिक उम्मीदवार के नाम मंगनाय, फेर कनिकबे दिनक बाद कार्यालय में सरकारी कोटा के लैपटॉप उपलब्ध रहबाक आ से कोनो अपन लोक सब केँ लगभग मंगनी में देबाक इच्छा कहैत बस पठेबाक खर्च टा लगबाक बात कहि आखिरकार अपन फरेब के शिकार बनेबाक बात बतेलीह। हिनकर पतिदेव सुमित जखन फरेबी केर छानबीन कयलाह त आर कतेको पीड़ित सब सोझाँ आबि अपन अपन पीड़ा बतेलनि। सुमित के कहब छन्हि जे एहि तरहक जालसाज व्यक्ति द्वारा सोझ सीधा कतेको लोक केँ फरेबक जाल में फँसायल जाइत अछि जाहि प्रति समाज केँ सचेत करबाक लेल बाकायदा स्क्रीन शॉट्स सहित एहि ठग नटवरलाल केर भावनात्मक भयादोहन (ब्लैकमेल) स्टोरी सामाजिक संजाल में साझा कयलहुँ अछि। मिथिला के सब ग्रुप जतय महिला समुदाय विशेष तौर पर सक्रिय छथि हुनका सब केँ आगाह करब हमर मुख्य उद्देश्य अछि।एहि सन्दर्भ में दिल्ली केन्द्र बना सामाजिक संजाल पर आकर्षक प्रोफाइल राखि ठगी धन्धा करनिहार कथित प्रकाश झा केर कनेक्शन छानबीन लेल सम्बंधित समस्त सरोकार रखनिहार सँ अपील अछि।
