Search

अहु बेर बैद्यनाथधाम-वासुकीनाथधाम मे श्रावणी मेलाक आयोजन पर रोक

२३ जुलाई २०२१, मैथिली जिन्दाबाद!!

अहु साल नहि लागत श्रावणी मेला
 
कोरोना महामारी केर संक्रमणक तेसर तरंग सँ बचबाक लेल केन्द्र सरकार आ राज्य सरकार (बिहार ओ झारखंड) द्वारा जारी निर्देशन मुताबिक २०२१ मे सेहो श्रावणी मेला नहि लगबाक निर्णय लेल गेल अछि। देवघर, वासुकीनाथ, सुल्तानगंज आ आसपासक विभिन्न क्षेत्र मे, श्रद्धालू लोकनिक भीड़ नहि जुटय ताहि लेल प्रशासन केँ कड़ा निर्देश देल जेबाक सूचना अछि। एहि सन्दर्भ मे संथाल परगना प्रक्षेत्रक पुलिस उपमहानिरीक्षक सुदर्शन प्रसाद मंडल द्वारा सीमावर्ती क्षेत्रक बिहार-बंगालक जिला पुलिस सभक संग एक वर्चुअल मीटिंग करैत कामरियाक भीड़ केँ रोकबाक आ आगू नहि बढय देबाक व्यवस्था लेल कहल गेल अछि। बाबा बैद्यनाथ व बाबा वासुकीनाथ केर मन्दिर आम श्रद्धालू लेल एहि दरम्यान नहि खोलल जेबाक निर्देशन जारी कयल गेल अछि, संगहि भक्त-श्रद्धालू सँ घरहि मे रहबाक आ बाबा भोलेनाथक आराधना करबाक लेल आह्वान कयल गेल अछि।

Related Articles