मैथिली आशुकवि दयानन्द दिक्पाल यदुवंशी केँ जनकपुर मे श्रद्धाञ्जलि अर्पित

३ जुलाई २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर द्वारा विज्ञप्ति जारी करैत मैथिली भाषाक आशुकवि रूप मे सुपरिचित स्रष्टा बुधनगरा मोरंग निवासी दयानन्द दिक्पाल यदुवंशी प्रति श्रद्धाञ्जलि अर्पण कयल गेल अछि। महासभाक सभापाल प्रेम विदेह एहि बातक जानकारी देलनि अछि। महासभा द्वारा जारी विज्ञप्ति मे दयानन्द दिक्पाल यदुवंशीक निधन सँ मैथिली भाषा-साहित्यक अपूरणीय क्षति होयबाक बात कहल गेल अछि। नेपालक पूरबिया भाग मे बेस सक्रिय रहैत मातृभाषा मैथिलीक सेवा मे हुनकर योगदान बहुत पैघ रहल छन्हि, लेकिन हुनकर रचना पुस्तक रूप मे हाल धरि प्रकाशित नहि भऽ पेबाक स्थिति पर चिन्ता सेहो व्यक्त कयल गेल अछि। महासभा द्वारा हुनकर अप्रकाशित रचना सभक संकलन आ प्रकाशन दिश मैथिली भाषा सेवी संघ, संस्था, अभियानी व स्वयं केर संस्थाक सदस्य लोकनिक ध्यानाकर्षण करायल गेल अछि। तहिना महासभा प्रदेश १ आ प्रदेश २ केर सरकार सँ सेहो एहि तरहक विशिष्ट रचनाकार लोकनिक साहित्यिक रचना केँ गम्भीरतापूर्वक ध्यान दैत प्रकाशन मे सहयोग करय, हुनका सभक जियैत जहान मे सम्मान प्रदान करय ताहि लेल सेहो अनुरोध कयलक अछि।