18 मई 2021, मैथिली जिन्दाबाद!!
साहित्यकार कामेन्द्रनाथ झाक निधन
मधुबनी : मैथिली कथा-संग्रह ग्रिभाँस केर लेखक कामेंद्रनाथ झाक रवि दिन दरभंगा मे स्वर्गीय हेबाक दुखद समाचार अछि। ओ पचासी वर्षक रहथि। कोइलख गाम के निवासी कामेन्द्रनाथ झा विगत छह माह सँ बीमार रहथि और अपन ज्येष्ठ पुत्र साहित्यकार हीरेन्द्र कुमार झा संग हुनक दरभंगा आवास पर इलाज करबैत रहि रहल छलाह। ओतहि ओ अन्तिम साँस लेलनि।
कामेन्द्रनाथ झाक उपनाम अमल छलन्हि। हुनक पहिल कथा आशादीप 1957 मे वैदेही पत्रिका मे प्रकाशित भेल छलन्हि। बाद मे ओ आर कतेको कथा सब लिखलथि जाहि मे ड्यूटी, घरारी, ग्रिभाँस, महिमा अपरंपार आदि काफी चर्चित भेल। ग्रिभाँस नाम सँ हिनक कथा संग्रह सेहो प्रकाशित भेलन्हि। हिनक कथा सब मनुष्य जीवनक यथार्थ अधुनातन संदर्भ मे व्यक्त भेल अछि। स्वभाव सँ विनम्र और व्यवहार कुशल कामेन्द्रनाथ झा बिहार सरकार केर सहकारिता विभाग सँ सेवानिवृत्त कर्मचारी रहथि। हिनकर निधन पर डॉ. भीमनाथ झा, विभूति आनन्द, डॉ. अशोक कुमार मेहता, हितनाथ झा, डॉ. दमन कुमार झा, अजित आज़ाद, अंशुमान सत्यकेतु सहित अनेको लेखक लोकनि शोक प्रकट कयलनि अछि।