१३ फरवरी २०२१ – मैथिली जिन्दाबाद!!
विराटनगर आ पुबरिया पारक मिथिलाक्षेत्र (नेपाल आ भारत दुनू दिश) लेल खुशखबरी

मैथिली भाषा एकटा माला थिकैक। एहि माला मे मैथिलीक अनेकों बोली आ शैलीरूपी फूल गुथल छैक। ‘फुलडाली’ कार्यक्रम मार्फत सब बोली-शैली केँ जोड़बाक लक्ष्य लेल गेल अछि। एकर परिकल्पक श्री प्रेम झा मैथिली जिन्दाबाद केँ बतेलनि।
नागरिक एफएम केर संचालक अरविन्द मेहता बहुतो बेर आह्वान करैत आबि रहल छलाह जे मैथिली मे कार्यक्रम करबाक लेल जन-जन मे लोकप्रिय रेडियो आ एफएम केर मंच उपलब्ध अछि, एकर सदुपयोग करबाक लेल समर्पित लोकक जरूरत अछि। आर एहि कार्य लेल श्री प्रेम झा एवं श्रीमती कविता झा पिछला एक मासक आवश्यक तैयारी संग आइ सँ ई कार्यक्रम आरम्भ कय देलनि। निश्चित एहि सँ मैथिली भाषा प्रति पसारल गेल कतेको तरहक कमजोर भावना आ कुविचार सभक कारी बादल छँटत से उम्मीद अछि।
हरिः हरः!!