New Delhi || January 15, 2021
भारत और नेपाल के बीच जारी तनाव के बीच नेपालक विदेश मंत्री प्रदीप ज्ञावली, भारत के विदेश मंत्री डॉ एस जयशंकर के संग एक संयुक्त आयोग के बैठक (JCM) के लेल दिल्ली में आयल छैथ। नेपाल के विदेश मंत्री नेपाल में एक टीकाकरण अभियान सुनिश्चित करबाक लेल कोरोना वायरस संधि प्राप्त करबाक लेल एक महत्वपूर्ण एजेंडा संग दिल्ली पहुँचल छैथ।
सूत्र के अनुसार काठमांडू में ई मानल जा रहल अछि जे भारत में बनल टिका नेपालक लोग सभक लेल बेसी उपयुक्त रहत और समान जलवायु परिस्थिति सब के देखैत स्टोरेज और ट्रांसपोर्टेशन सेहो सरल रहत। चीन स टिका के सोर्सिंग के बारेमे पूछला पर सूत्र के कथन छैन जे ई व्यावहारिक और लागत प्रभावी नहीं रहत। ” अंत में नेपालक टीकाकरण के सफलता पूर्वक पूरा करबाक हेतु अपना सबके भारते स मदद लेब पड़त। हम भारत स ई उम्मीद करैत छी जे हमरा सबके लेल टिका उपलब्ध होयत। भारत के लेल जे उपयुक्त अछि से नेपालक लेल सेहो उपयुक्त अछि। अहि मोर्चा पर हम सब उत्पादक स सहयोग के उम्मीद करैत छी” अधिकारी कहला।
नेपालक फ्रंटलाइन श्रमिक सब के लेल टिका के शुरुआती 12 मिलियन खुराक अनुरोध केल गेल अछि। बाद में काठमांडू के आम जनता के लेल सेहो टिका के मांग केल जायत। नेपाल टिका के पहिल बैच के मैनेजमेंट के लेल तैयार अछि, जे की श्रोत में आयत। सूत्र के मुताबिक अगर भारत टिका के सस्ता कीमत पर उपलब्ध करबैत अछि, त ई द्विपक्षीय संबंध के “सकारात्मक” रूप स प्रभावित करत।