२१ दिसम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!!
सोनवर्षा पूर्वी केर ग्वारी गाम मे समाज केर सब समुदायक द्वारा सामूहिक रूप सँ युगपुरुष-प्रेरणापुरुष लक्ष्मीनाथ गोसाईं “बाबाजी” केर मूर्ति स्थापना कयल गेल अछि। ई समाचार युवा समाजसेवी बौआ खान अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत करौलनि अछि। ओ कहलनि अछि जे सोनबरसा प्रखंड केर सब जनता गौरवान्वित होइत ई महान कार्य सम्पन्न कयलक अछि। गोवारी केर सब लोक केँ हृदयतल सँ धन्यवाद आ शुभकामना सेहो ओ प्रकट कयलनि अछि। विदिते अछि जे आध्यात्मिकता, सुशिक्षा, सुसंस्कार, भक्ति सँ शक्ति आदि महत्वपूर्ण उपदेश दय समस्त मिथिलाक लोक लेल कल्याणक निमित्त बाबाजी अपन जीवन निछाबड़ कय देने छलाह। हुनकर स्मृतिशेष आइयो गाम-गाम मे कुटीक रूप मे निर्मित अछि। कुटी पर सब समुदायक लोक गहींर आस्थाक संग अबैत छथि आर बाबाजीक सोझाँ अपन जीवन केँ उचित मार्ग पर अग्रसर करबाक आशीर्वाद सेहो मंगैत छथि। उपरोक्त ग्वारी गाम सँ सेहो बाबाजीक लगाव छलन्हि जेकरा आब मूर्ति स्थापनाक संग कुटीक तर्ज पर सुस्थापित कयल गेल अछि। बौआजी जानकारी करेलनि जे एहि अवसर पर आयोजित उत्सव मे हुनका भाजपा जिला अध्यक्ष दिवाकर सिंह,सोनवर्षा प्रखंड केर भाजपा प्रखंड अध्यक्ष मुकेश मानस एवं भाजपा केर आईटी सेल अध्यक्ष सौरभ कुमार, एवं ग्वारी केर आम जनता सभक तरफ सँ जे सम्मान कयल गेलनि ताहि लेल ओ सभक ऋणी रहता आर आगामी समय मे जाहि कोनो तरहक सहयोगक अपेक्षा हिनका सँ रहत से पूरा करता।