मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर द्वारा 5 गोटा केँ सम्मान देबाक निर्णय

11 अक्टूबर 2020 । मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली भाषा आ साहित्य केर संग एहि भाषा व संस्कृति केर अभियान में उल्लेखनीय योगदान केर कदर स्वरूप कुल 5 गोट स्रष्टा व अभियानी केँ सम्मानित कयल जेबाक घोषणा मैथिली साहित्यकार सभा जनकपुर द्वारा कयल गेल अछि।

जारी विज्ञप्ति मुताबिक आर सम्मानित व्यक्तित्व केर योगदान केर ऊपर चर्चा अनुसार

(1) ज्योतिरीश्वर साहित्य सम्मान डॉ रेवतीरमण लाल केँ लगभग 6 दशक धरि अनेकानेक पुस्तक व आलेख केर लेखन संग प्रकाशित करेबाक योगदान लेल देल जेतनि।

(2) ग्रियर्सन गवेषणा सम्मान सँ श्यामसुन्दर शशि केँ हुनक 4 दशक भाषा-साहित्य सेवा आ दर्जनों शोधमूलक आलेख लेखन आ प्रकाशन लेल देल जेतनि।

(3) बद्री अनुवाद साहित्य सम्मान सँ चन्द्रकान्त झा केँ हुनक प्रकाशित कृति रवींद्रनाथ ठाकुर रचित गीतांजलि केर अनुवाद लेल देल जेतनि।

(4) पाथेय युवा साहित्य सम्मान नागेश्वर मंडल केँ हुनक 10 वर्ष साहित्य सेवा, दर्जनों फुटकर लेख सभक प्रकाशन लेल देल जेतनि।

(5) मैथिली साहित्यकार सभा सम्मान अनिल कुमार कर्ण केँ भाषा सेवा संग आयोजक संस्थाक सहयोग केर कदर स्वरूप देल जेतनि। श्री कर्ण पहिल बेर संस्थाक अंकेक्षण प्रतिवेदन मैथिली में लिखलन्हि। संगहि संस्थाक अंकेक्षण निःशुल्क कयलनि।

ई निर्णय आयोजक संस्था के सम्मान वितरण समिति व विधान अनुसार कयल गेल अछि। एहि समिति में संयोजक रामाशीष मंडल संग सदस्य द्वय अरविन्द कुमार यादव आ राजेन्द्र लाल कर्ण सहभागी रहथि।