होरीक शुभकामना संग मिलाफ राजविराजक मासिक बैसार सम्पन्न

राजविराज, सप्तरी। ८ मार्च २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!

होरीमे हरियाइत #मिलाफ, मुस्कियाइत #मिथिला :

काल्हि फागुन २४ गते शनि दिन पवि माध्यमिक विद्यालयक प्राङ्गनमे मिलाफ नेपालक मासिक मैथिली साहित्यिक एवं साङ्गितिक कार्यक्रम श्रृंखला २८ श्रीराम मण्डलक अध्यक्षता आ अमन कुमार झाक प्रमुख आतिथ्यमे तथा शम्भू श्रीक संचालनमे सु-सम्पन्न भेल अछि। विदिते अछि जे मिलाफ मैथिली भाषा-साहित्यक संग कला आदिक संरक्षण, विकास एवं जन-जन मे प्रचार लेल निरन्तर कार्य करैत आबि रहल अछि।

काल्हि आयोजित कार्यक्रम मे होरीक शुभकामना शब्द – मैथिली साहित्य परिष्दक अध्यक्ष सतीष दत्त आ मिथिलेश झा द्वारा राखल गेल। संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र, किरण झा, कृष्ण मैथिल, रमण यादव धीरू, प्रतिमा देव, अमन कुमार झा, शान्ति झा, धीरेन्द्र मधेशी, ऋतुराज अमरेन्द्र, श्याम कुमार मण्डल, रमीला शाह, दिलखुश यादव, ज्ञानेन्द्र मण्डल आ शम्भू श्रीद्वारा काव्य रचनाक वाचन सेहो कयल गेल। कविताक संग-संग गीत सब सेहो प्रस्तुत कयल गेल छल। विशेष प्रस्तुतिक रूपमे फोनसँ लाइभ होइत लहानसँ गायक तेजू मैथिल संग हुनक साङ्गितिक टीमद्वारा ‘बाबा हरिहर नाथ’ होरीक विशेष गीत गओने रहथि। संस्थाक सचिव विद्यानन्द बेदर्दी द्वारा मिलाफ परिवारक दिससँ सम्पूर्ण सृजनकर्मीमे होरीक रङ्गारङ्गी शुभकामना ज्ञापित भेल अछि।