विद्यापतिक डीह विसपी मे चेतना समिति द्वारा विसपी महोत्सव

५ मार्च २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!!

आगामी १२ अप्रैल २०२० केँ मैथिली-मिथिलाक सर्वश्रेष्ठ संगठन चेतना समिति पटना द्वारा ‘विसपी महोत्सव’ केर आयोजन होमय जा रहल अछि। एहि महोत्सव मे सहभागिता लेल विभिन्न संस्था, व्यक्ति आ समूह केँ आमंत्रित कयल जा रहल अछि। एहि क्रम मे मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक सह दहेज मुक्त मिथिलाक संस्थापक अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी केँ सेहो आमंत्रित कयल गेलनि अछि।

आमंत्रण पत्र सँ व्यक्त भावना अनुरूप चेतना समिति पटनाक मूल उद्देश्य महाकवि कोकिल विद्यापतिक मूल डीह केँ पर्यटन केन्द्रक रूप मे प्रचारित-प्रसारित करबाक संग ओहि क्षेत्रक जन-गण-मन मे आत्मगौरवक बोध करायब निहित अछि। मैथिल मात्रक उपराष्ट्रीय सांस्कृतिक जागरणक नायक तथा सम्पूर्ण विश्व मे ‘देसिल बयना’ (मातृभाषा) केर महत्वक प्रतिपादक-गायक मैथिली भाषा-साहित्यक गौरवपुरुष, कविकोकिल विद्यापतिक विसपीक मिथिलाक सांस्कृतिक इतिहास मे अत्यन्त महत्वपूर्ण स्थान छैक। से मात्र एहि हेतु नहि जे ओ कविकोकिल विद्यापतिक जन्मस्थान छनि आ हुनक गीत एवं विद्वतापर प्रसन्न भए राजा शिव सिंह विसपी ग्राम हुनका दान मे दए देलथिन, अपितु एहू लेल जे विद्यापतिक पूर्वहि सँ विसपी अपन अद्वितीय विद्वता एवं शौर्यक लेल प्रसिद्ध अछि, तथा मिथिलाक विभिन्न राजा लोकनिक शासन-व्यवस्था मे गरिमामय पदपर ओहिठामक विद्वान् आसीन रहि, मिथिलाक गौरव बढौने चथि। – एहि तरहक उच्च भावनाक संग विसपी महोत्सव मे एकर परिचितिक विस्तृत स्तर पर परिचित करेबाक अछि।

प्रस्तावित कार्यक्रम मे विसपीक महत्वक एवं विद्यापतिक साहित्य मे समाज सुधार विषय पर आमन्त्रित विद्वान द्वारा परिचर्चा, मैथिलीक विभिन्न संस्था एवं जनप्रतिनिधि सभ द्वारा मिथिलाक एक सांस्कृतिक पर्यटन स्थलक रूप मे विसपीक विकास पर चर्चा एवं सुझाओ, तथा विद्यापतिक साहित्यपर केन्द्रित सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कयल जायत। बिहार सरकार द्वारा विसपी केँ पर्यटक स्थलक रूप मे विकसित करबाक निर्णय प्रति कृतज्ञता व्यक्त करबाक संग-संग मूल आयोजक समिति द्वारा देश-विदेश मे मैथिली-मिथिला प्रति सेवाभाव रखनिहार विभिन्न संस्था सब केँ सेहो संग लैत आगू बढबाक योजना अछि। विभिन्न संस्थाक प्रतिनिधि एहि मे सहभागिता देता से सुनिश्चित अछि।