डीएमसीएच केर नवप्रवेशी छात्रक फाउन्डेशन कोर्स पूरा, मैथिली सहित अन्य फैकल्टीक सम्मान

दरभंगा, १५ सितम्बर २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

काल्हि १४ सितम्बर शनि दिन दरभंगा मेडिकल कॉलेज केर सभागार मे प्रथम वर्ष केर एमबीबीएस छात्र लोकनिक व्हाइट कोर्ट सेरोमनी आयोजित कयल गेल। अवसर छल एक माह सँ चलि रहल प्रथम फाउंडेशन कोर्स केर समापनक । एहि कार्यक्रम केर दौरान सीनियर छात्र और फैकल्टी केर फर्स्ट बैचक छात्र सभ सँ परिचय और भेंट कराओल गेल । एहि अवसर पर आयोजित रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम केर दौरान गेस्ट फैकल्टी मणिकांत झा, सत्येन्द्र कुमार झा, जितेन्द्र नारायण, लावण्य कीर्ति सिंह काव्या, अमरनाथ झा, पवन सहनी, बलवीर चौधरी, विजय कुमार साहू एवं दरभंगा मेडिकल कॉलेज केर अनेक फैकल्टी केर सम्मान कयल गेलनि । संगहि सब विद्यार्थी लोकनि केँ प्रमाण पत्र देल गेलनि । दरभंगा मेडिकल कॉलेज केर प्राचार्य डा एच एन झा द्वारा नव छात्र लोकनि केँ संकल्प दियाओल गेल । अस्पताल केर अधीक्षक डा. आर. आर. प्रसाद द्वारा नवागन्तुक छात्र सभक उत्साहवर्धन करयवला विशेष वक्तव्य सेहो प्रस्तुत भेल छल । दरभंगा मेडिकल कॉलेज केर अनेक शिक्षक, चिकित्सक, अतिथि शिक्षक सहित अनेकों आर गणमान्य व्यक्ति उपस्थित रहथि । कार्यक्रम केर संचालन प्रख्यात चिकित्सक डा ओमप्रकाश कय रहल छलाह ।

अतिथि फैकल्टीक रूप मे १ मासक फाउन्डेशन कोर्स करौनिहार मैथिली विषय लेल मणिकान्त झा सहभागिता देने छलाह। ओ कहलनि अछि जे दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल मे एम बी बी एस कोर्स मे एहि वर्ष नामांकन लेनिहार छात्र छात्रा लोकनि केँ एक मासक फाउंडेशन कोर्स कराओल गेल जाहि मे विभिन्न विषयक अतिथि शिक्षक लोकनिक द्वारा तत्संबंधी विषयक जानकारी विद्यार्थी लोकनि केँ देल गेलनि । मैथिलीक गेस्ट फैकल्टीक रुप मे हमहूं अपन सहभागिता देल । आइ समापन समारोह सह व्हाइट कोट सेरोमनी मेडिकल आडोटोरियम मे आयोजित भेल ।