आउ कनियां आउ
फोटो खिंचाउ
सेल्फी कि जुल्फी
स्टाइलिश लूक देखाउ
आउ कनियां आउ
गेलय ओ जमाना
कनियां छल घोघ तर
आब तऽ प्रदर्शन
पोज सब देखाउ
आउ कनियां आउ…
भेल छय कम्पीटिशन
लाइक्स आ कमेन्टके
मोबाइल मे कैमरा
इन्टरनेट लगाउ
आउ कनियां आउ…
गोली मारू पर्दा
स्त्रिगणक अंगना
पुरुखक दलान पर
मजलिस लगाउ
आउ कनियां आउ….
छुपि गेल गार्गी
मंडन कि भारती
आब त’ मोडेलिंग
अंग सब देखाउ
आउ कनियां आउ….
भैया कि भौजी
एक्के समान छी
बाबु आ माय सेहो
संगे बैसि जाउ….
आउ कनियां आउ….
महिला आरक्षणके
बात चलि रहल छय
हम नहि तऽ अहाँ
नेता बनि जाउ….
आउ कनियां आउ…
अहाँ मुखियैन छी
हम मुखियापति
मिलिजुलि लूटू
दुनिया झुकाउ
आउ कनियां आउ…
कनियां चालीसा
नित हम गाबी
सम अधिकारक
आन्दोलन चलाउ
आउ कनियां आउ….
हरि: हर:!!