Search

राजविराज मे विद्वान प्रा. हरिकान्त लाल दास लेल श्रद्धाञ्जलि-सभाः मैथिल महिला परिषद्

राजविराज, २४ अगस्त २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

सप्तरी जिलाक मुख्यालय राजविराज मे आइ नवगठित मैथिल महिला परिषद् द्वारा स्वनामधन्य इतिहासकार-विद्वान् स्व. हरिकान्त लाल दासक स्मृति मे एक श्रद्धाञ्जलि सभा आयोजित कयल गेल जेकर अध्यक्षता शान्ति झा, प्रमुख अतिथि मधेसी आयाेगक अध्यक्ष डा. विजय दत्त, विशिष्ट अतिथिक रुपमे डा. पिताम्बर लाल यादव, प्रा जुगेस्वर लाल दास, राजबिराज नगरपालिकाक उपप्रमुख साधना झा, पूर्व संघीय सिंचाइ मन्त्री उमेश यादव, मैसापक पुर्व अध्यक्ष लाेकनि बिष्णुकुमार मंडल, देवेन्द्र मिश्र, विवेकानन्द मिश्र, शुभचन्द्र झा, मै सा प उपाध्यक्ष सतिस कुमार दत्त, सगरमाथा साहित्य परिषदक अध्यक्ष मनाेहर पाेखरेल, मिलाफक अध्यक्ष श्रीराम मण्डल, मञ्जु श्रेष्ठ सहितक विद्वानसब श्रद्धाञ्जलिक दू शब्द रखलनि। कार्यक्रम संचालन मैथिल महिला परिषदक सचिव पिंकी कुमारी कएलनि, स्व.दासक स्मरणमे १ मिनट माैन धारण राखल गेल।

तहिना नवगठित मैथिल महिला परिषद राजविराज द्वारा नवचयनित कार्यकारिणी सदस्य लोकनि केँ पद आ जिम्मेदारी लेल शपथ ग्रहण सेहो करायल गेल अछि। परिषदक पुर्व अध्यक्षा साधना झा द्वारा नव अध्यक्षा शान्ति झा केँ शपथ खुआओल गेल, तहिना नव-अध्यक्षा शान्ति झा द्वारा उपाध्यक्ष मालती चाैधरी, सचिव पिंकी कुमारी, सदस्य सब मीना साह, रश्मि झा, कंचन झा एवं रमिला साह केँ शपथ खुआओल गेल। एहि अवसर पर गाेसाउनीक गीत किरण झा, कंचन झा, पिंकी सहित अन्य सदस्या लोकनि गाबि कय शुरुआत कएल गेल छल।

Related Articles