मुजफ्फरपुरक बरुराज मे काँवरिया पर पथराव सँ स्थिति तनावग्रस्त

३१ जुलाई २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

मुजफ्फरपुर केर बरुराज मे महादेव केर पूजा-अर्चना लेल जा रहल महिला कांवरिया पर समुदाय विशेष द्वारा पथराव आर तदोपरान्त आपसी तनावक स्थितिक समाचार अछि।

तनावग्रस्त इलाका मे पुलिस द्वारा बीच-बचाव

५००+ महिला एवं लड़की काँवड़िया पर मस्जिद केर पास सँ पथराव, बचाव मे आयल पुलिस केँ दौड़ायल गेल

 
“काँवड़िया पर पथराव करैत राष्ट्र विरोधी नारा सेहो लगायल गेल” – ई दावा प्रत्यक्षदर्शी लोकनिक अछि।
 
समाचार साभारः ऑपइंडिया स्टाफ़, 30TH JULY 2019
 
पत्थरबाजी, तनावपूर्ण स्थिति
 
पथराव केर बाद इलाका मे तनाव (तस्वीर साभार: प्रभात खबर)
 
बिहार केर मुजफ्फरपुर मे बरुराज थाना क्षेत्र मे सावन केर दोसर सोमवारी वास्ते जल भरय जा रहल श्रद्धालु लोकनि पर किछु अराजक तत्व द्वारा पथराव कयल गेल। जखन बीच-बचाव वास्ते पुलिस आयल तऽ हुनकहु सभक संग दुर्व्यवहार भेल।
 
दैनिक भास्कर केर खबरि मुताबिक एसडीएम अनिल कुमार दास मामिलाक जानकारी दैत बतेलनि जे जखन महिला श्रद्धालु ओतय मस्जिद केर पास सँ गुजरि रहल छलीह, तखनहि किछु लोकक द्वारा हुनका सब पर पथराव कयल गेलनि।
 
एहि घटना मे जखन बीच-बचाव करय पुलिस पहुँचल तऽ मोतीपुर थानाध्यक्ष सह इंस्पेक्टर केर वर्दी पर लागल स्टार केँ सेहो नोचबाक प्रयास कयल गेल। एतय एहि दरम्यान पुलिसवलाक संग गारि-झंझटि सेहो कयल गेल छल। हुनका सब केँ डंटा लय केँ खेहारल गेल छल। मुदा पुलिस तैयो बड़ा समझदारी सँ जल लेबय जा रहली करीब ५०० सँ बेसी महिला ओ लड़की सब केँ निकालिकय सुरक्षित तिरहुत मुख्य नहर सँ पुल धरि पहुँचेलाह। अही बीच स्थिति केँ काबू मे करबाक लेल एसटीएफ केर जवान सब केँ सेहो बजाबय पड़लनि।
 
 
ANI
@ANI
Muzaffarpur: Stones were allegedly pelted on ‘Kanwariyas’ when they were passing by a mosque in Baruraj yesterday. SDM Anil Kumar Das said, “girls & women devotees were passing through the route when some anti-social elements pelted stones on them. Situation under control”.#Bihar
 
जानकारी केर मुताबिक इलाका मे बढ़ैत अराजकता केँ देखैत श्रद्धालु लोकनि केँ दोसर बाट सँ निकालिकय मंदिर परिसर मे पहुँचायल गेलनि। किछु लोक ईहो दावी कयलनि जे पथराव करैते इलाका मे राष्ट्र विरोधी नारा सेहो लगायल गेल, लेकिन हाल धरि जिला प्रशासन केँ एहि तरहक दावाक कोनो पुख्ता सबूत नहि भेटलनि अछि। एसडीएम सेहो आश्वासन देलनि अछि जे जँ हुनका देश विरोधी नारा लगेबाक बारे मे कोनो सबूत भेटतनि तँ ओ एहि पर कड़ा कार्रवाई करता।
 
कहि दी जे एसडीएम केर मुताबिक यैह इलाका मे पैछला रवि दिन केँ धार्मिक कार्यक्रम केर घोषणा करैत किछु आरो लोक सब केँ मारि-पीट कयल गेल छल। जेकरा बाद जिला प्रशासन द्वारा हिंदू और समुदाय विशेष केर लोक सभक संग बैसिकय ई तय कएने रहय जे दुनू समुदाय शांतिक संग रहत।