Search

मिलाफ राजविराज केर नव अध्यक्ष श्रीराम कुमार मंडल आ उपाध्यक्ष रवीन्द्र मड़र चुनेलाह

राजविराज, ११ मई, २०१९ । मैथिली जिन्दाबाद!!

आइ मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपाल ( MiLAF Nepal) द्वारा आयोजित पहिल साधारण सभा आ मासिक मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम, श्रृंखला १८ केर संयुक्त कार्यक्रम श्री प वि माध्यमिक विद्यालय राजविराज केर प्राङ्गणमे प्रतिष्ठानक तदर्थ समितीक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र केर अध्यक्षता, सुप्रसिद्ध कवियित्री एवं मैथिली-मिथिलाक चर्चित अभियानी करूणा झा केर प्रमुख आतिथ्य व युवाकवि तथा संस्थाक सचिव विद्यानन्द बेदर्दी केर सञ्चालनमे सुसम्पन्न भेल।

कार्यक्रमक आरम्भ साहित्यकार एवं संस्कृतिविद् धीरेन्द्र प्रेमर्षीक रचना “डेग बढाबै चल रे मीता भऽ जाइ एक संगोर हम” गीत केर वाचन आ सुभाष बीरपुरियाद्वारा गोसाउनि आ मिथिला वर्णन गीति-गायनसँ भेल। उपाध्यक्ष रवेन्द्र रविद्वारा स्वागत मन्तव्य राखल गेल। तदर्थ समितिक सचिव विद्यानन्द बेदर्दीद्वारा वार्षिक प्रतिवेदन आ कोषाध्यक्ष किरण झाद्वारा आर्थिक प्रतिवेदन प्रस्तुत कएल गेल।

तेजू मैथिलद्वारा आभाष लाभक गाएल ‘हृदय ई फुलाएल तोरा देखिकऽ’ गजल, वीरेन्द्र सप्तरिया द्वारा मैथिली भाषा अभियानक गीत आ किरण झाद्वारा मिथिला-वर्णन गीत गाओल गेल। मैसापक सचिव श्याम सुन्दर यादवद्वारा शुभकामना व्यक्त कएल गेल। फोन लाइवमे जोड़ैत धीरेन्द्र प्रेमर्षिद्वारा मिलाफक वर्तमान गतिविधिक सराहनाक संग शुभकामना आ दू गजलक किछु पाँति आ ‘प्रेमक सीमा’ कविता केर वाचन कएल गेल। प्रवीण नारायण चौधरीद्वारा समाजिक संजाल पर वर्तमान गतिविधि केँ मैथिली भाषा-साहित्यक जैड़ मे सींचन ओ आमजन केँ एकर मिठास सँ परिचित करेबाक बात कहैत भविष्य मे नेपाल सरकारक तीनू तह संग सहकार्य करैत गतिविधि केर दायरा केँ आरो विस्तार देबाक लेल सुझाव संग शुभकामना सम्प्रेषित कएल गेल।

आजुक सभा मे किरण झा, रमीला शाह, धीरेन्द्र मण्डल, मुकेश चौधरी, गजेन्द्र गजूर, कृष्ण मैथिल, प्रकाश साह, अभय यादव, नारायण यादव, ऊर्जा साह, विनोद यादव, रोशन शर्मा, युवराज यादव, राज राय, गायत्री मिश्र, सुषमा झा, मिथिलेश मिश्र सहितक उपस्थितिमे सम्पन्न साधारण सभासँ गठित नव कार्यसमिति मे अध्यक्ष श्रीराम कुमार मंडल, उपाध्यक्ष रवीन्द्र मड़र, सचिव विद्यानन्द यादव बेदर्दी, सह-सचिव सुभाष प्रसाद यादव बीरपुरिया एवं कोषाध्यक्षक रूप मे किरण झा केर नामक प्रस्ताव पारित भेल। तहिना कार्यकारिणीक सदस्य केर रूप मे शम्भू यादव, तेज नारायण यादव, कंचन झा, गजेन्द्र राय, ललिता झा, हरेराम राय, कृष्ण कुमार खङ्ग आ धीरेन्द्र मण्डल केर नाम चयन कयल गेल अछि। निर्वाचन समितीक संयोजक देवेन्द्र मिश्र छलाह। सदस्य सब रमिला शाह आ करूणा झा छलीह । नव गठित कार्यसमितिकेँ पद आ जिम्मेदारी प्रति ईमानदारी संग अपन योगदान दैत रहबाक शपथ ग्रहण सेहो कराओल गेल। 

विदित हो जे ई संस्था हरेक मास स्कूली बाल-बालिका बीच मातृभाषा मैथिली प्रति जागरुकता आ पठन-पाठन केर माहौल बनेबाक लेल प्रेरणाक संचरण करैत आबि रहल अछि, संगहि अपन मातृभाषा मे लेखन एवं वक्तृत्व कला केर संग-संग गायन, चित्रकला आ अन्य विभिन्न सृजन कार्य लेल सेहो उत्साहवर्धन, प्रशिक्षण आदि कार्यक्रम करैत अछि।

Related Articles