Search

भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ रुसक सर्वोच्च राष्ट्रीय सम्मान

वाह मोदी जी! हार्दिक बधाई!!
 
रुस द्वारा भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ ओहि ठामक सर्वोच्च राष्ट्रीय सम्मान ‘Order of Saint Andrew the Apostle’ देबाक घोषणा सँ मोदी जी केर एक प्रशंसकक रूप मे बड़ पैघ प्रसन्नता भेटल। रसियन फेडरेशन आ भारतीय गणतंत्रक बीच विशेष आ प्राथमिक रणनीतिक साझीदारी केर विकास एवं दुइ राष्ट्रक जनताक बीच सौहार्द्रता आ मित्रता केँ बढेबाक लेल रुसक राष्ट्रपति पुतिन केर हस्ताक्षरित ई सम्मान भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र दामोदारदास मोदी (एन डी मोदी) केँ देल जेबाक निर्णय भेल अछि।
 
एहि सँ पूर्व युएई केर युवराज द्वारा ओहि ठामक सर्वोच्च स्टेट ओनर (सम्मान) हिनका भेटल छल। एतबा नहि, मोदी जी केँ एखन धरि विश्वक विभिन्न देश द्वारा बहुत रास सर्वोच्च सम्मान हस्तान्तरण कयल गेल, कयल जायत। आउ एक नजरि दी हिनका भेटल एहि तरहक सर्वोच्च राजकीय सम्मान सब परः
 
१. यूएई द्वारा जायेद मेडल
 
“We have historical and comprehensive strategic ties with India, reinforced by the pivotal role of my dear friend, Prime Minister Narendra Modi, who gave these relations a big boost. In appreciation of his efforts, the UAE President grants him the Zayed Medal,”
 
– Crown Prince of Abu Dhabi, Mohammed Bin Zayed Al Nahyan
 
२. फिलीप कोटलर राष्ट्रपति सम्मान
 
The Citation mentioned several initiatives taken by his government like Make in India, Start-up India, Digital India, and Swachh Bharat, “which have positioned India as one of the most lucrative manufacturing and business destinations in the world.”
 
३. सियोल शान्ति पुरस्कार
 
पिछला वर्ष अक्टूबर मे सियोल शान्ति पुरस्कार सँ नरेन्द्र मोदी केँ सम्मानित कयल गेल छलन्हि। ई सम्मान भारतीय एवं विश्व अर्थतंत्र केर विकास मे मोदी जीक योगदान केँ कदर करैत प्रदान कयल गेल छलन्हि। The award citation credited what came to be termed as ‘Modinomics’ for bringing down social and economic disparity between the rich and the poor. – वर्गीय अन्तर केँ घटेबाक लेल मोदी जीक प्रयास केँ विशेष नामकरण ‘मोदीमोनिक्स’ कहैत ई सम्मान प्रदान कयल गेल छन्हि।
 
४. राष्ट्रसंघ द्वारा पृथ्वीक चैम्पियन सम्मान २०१८ (UN Champions of the Earth Award 2018)
 
राष्ट्रसंघ द्वारा देल जायवला सर्वोच्च वातावरणीय पुरस्कार राष्ट्रसंघक महासचिव अन्टोनियोक हाथ सँ २०१८ मे भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ भेटल।
 
५. ग्रान्ड कौलर अफ द स्टेट अफ पेलेस्टाइन
 
फिलिस्तीनक राष्ट्रपति मोहम्मद अब्बास केर हाथ सँ भारत ओ फिलिस्तीन बीच सुमधुर सम्बन्ध केँ आगू बढेबाक लेल भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ ई सम्मान फरवरी २०१८ मे भेटलनि।
 
६. अफगानिस्तानक अमीर अमानुल्लाह खाँ सम्मान
 
२०१६ मे अफगानिस्तानक राष्ट्रपति अशरफ गनीक हाथ सँ भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ ई सम्मान देल गेल। विदित हो जे अफगानिस्तानक संसद भवन २०१५ मे भारतक सहयोग सँ बनायल गेल छल, तहिना भारत अफगानिस्तान मैत्री डैम केर निर्माण २०१६ मे भेल छल। एहि डैम केर उद्घाटन हेरात मे भेल ताहि समय ई सम्मान हुनका देल गेल छलन्हि।
 
७. सउदी अरबियाक सर्वोच्च नागरिक सम्मान किंग अब्दुल्लाजीज सास सम्मान
 
ई सम्मान सउदी अरब केर राजा सलमान बिन अब्दुल्लाजीज द्वारा ओहि ठामक राजदरबार मे २०१६ मे भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी केँ देल गेलनि।
 
‘अच्छे दिन’ कोनो देशक तखनहि संभव होइत छैक जखन कियो राजनेता दिन-राति अपन देशक जनता लेल सोचैत अछि। भारतक शासनक इतिहास मे ५ वर्ष धरि जाहि मेहनत आ लगन सँ नरेन्द्र मोदी कार्य कयलनि अछि तेकर आगाँ ई सब सम्मान बहुत छोट बुझाइत अछि। आब, २०१९ मे जखन हुनका जनता फेर सँ चुनिकय पुनः ५ वर्ष आरो शासन करबाक बागडोर देत, तखनहि सही बधाई होयत।
 
हरिः हरः!!

Related Articles