Search

अहाँ चांद छी गगन के – तिमी मेरो मनको राजा – मैथिली-नेपाली डुएट प्रेम गीत रिलीज भेल

मैथिली-नेपाली डुएट गीतक एक आरो सफल प्रयोग
 
‘अहाँ चांद छी गगन के, अहाँ फूल छी चमन के’ – ‘तिमी मेरो मनको राजा, म रानी तिम्रो मनको’ – जयराम यादव यदुवंशी आ प्रियंका परमार अभिनीत ई वीडियो एलबम नंदनी फिल्म्स द्वारा आइये रिलीज कयल गेल अछि युट्यूब पर।
 
एकर लिंक अछिः
 
मैथिली जिन्दाबाद संग बातचीत मे नंदनी फिल्म्स केर संस्थापक आ मैथिली फिल्म केर चर्चित अभिनेता जयराम यादव यदुवंशी बतेलथि जे मैथिली गीत एल्बम मे सेहो मुम्बई के हिरोईन केँ काज करायल जा सकैत अछि – मैथिली केँ सेहो भोजपुरीक खेसारीलाल यादव जेकाँ जमीन सँ उठल अभिनेता भेटि सकैत अछि – एहि सपना केँ साकार करैत अछि ई रिलीज।
 
नेपालदेशक दोसर सर्वाधिक जनसंख्या द्वारा बाजल जायवला भाषा मैथिली थिक, तथा नेपाली संग मैथिलीक समीपता दुइ भाषाभाषी बीच प्रेम आ जीवन यात्रा संग चलेबाक सन्देश दैत अछि मैथिली-नेपाली डुएट प्रेम गीत। नेपाल मे एहि सँ पहिनहुँ कय गोट मैथिली आ नेपाली मिश्रित डुएट गीत रिलीज भेल जेकर लोकप्रियता नेपाल आ भारत संग विश्व भरि मे पसरल करोड़ों मैथिलीभाषी द्वारा सहर्ष स्वीकार कयल गेल। करोड़ों लोक सब एहि तरहक डुएट गीत आ नृत्यक संग नेपालक मौलिक मैथिली प्रदेश आदि मे फिल्मांकन केर आनन्द यूट्युब पर लैत छथि, तेकर प्रमाण वीडियो केर क्लीक आ हिट केर संख्या देखि पता लगैत अछि। एहि क्रम मे मैथिलीक खेसारीलाल यादव यानि जयराम यादव यदुवंशी आ खेसारीलाल यादवक चर्चित बालीवूड हिरोईन यानि प्रियंका परमार अभिनीत ई मैथिली-नेपाली डुएट गीत ‘अहाँ चांद छी गगन के’ एक बेर फेर तहलका मचेनाय आरम्भ कय चुकल अछि।
 
मैथिली, नेपाली आ हिन्दी चलचित्रक नामी-गिरामी निर्देशक सन्तोष सरकार केर निर्देशन मे तैयार कयल गेल ई वीडियो चलचित्र मे मैथिलीक बहुचर्चित आ सूपरहिट गायक सन्नू कुमार आ ज्योति विश्वकर्माक आवाज अछि। तहिना एकर संगीत शैलेन्द्र विश्वकर्मा देलनि अछि। एहि गीतक रचना चिर-परिचित गीतकार सरोज मंडल द्वारा भेल अछि। एकर सिनेमैटोग्राफर जय कामत छथि। राजा शाह एवं राम सोगारथ शाह निर्माता रहबाक संग एहि मे विशेष योगदान रवि रंजन मिश्र ऊर्फ राजा बाबू केर छन्हि। एकर फिल्मांकन जानकी मन्दिर, गंगासारग पोखरि, सिन्धुलीक पहाड़ी डाँडा-खोला व मैदानी भूभाग मे कयल गेल अछि। विशुद्ध आ खाँटी मैथिली सिनेकर्मीक संग पूर्णरूप सँ स्थानीयता केँ प्रवर्धन करबाक उद्देश्य सँ एकर निर्माण कयल जेबाक बात यदुवंशी बतेलनि। चलू मीता देश यौ छोड़ि परदेश यौ, गाम घर मे नहि रहबय, आदि कय गोट हिट गीत एल्बम देलाक बाद यदुवंशीक ई नव गीत सेहो दर्शक-श्रोता द्वारा प्रशंसा कयल जाय लागल अछि। हिनकर कोनो गीत केँ ५ लाख सँ कम श्रोता नहि छन्हि, ईहो सफलताक एक पैघ परिचय करबैत अछि।
 
मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ अपार सफलताक कामना सहित!
 
हरिः हरः!!

Related Articles