Search

बनगाँव (सहरसा) सहित पूर्वी मिथिला मे आरो २ गाँव बनल डिजीटल गाँव

पारस कुमार झा, बनगाँव। १५ जनवरी २०१९, मैथिली जिन्दाबाद!!

भारत सरकारक डिजिटल इंडिया अभियान केर बढ़ैत डेग संग बढैत सहरसा जिलाक बनगाँव केर चयन “डिजिगाँव” लेल भेल। गाम मे हर्ष ओ आनन्दक वातावरण बनल अछि। गामवासी के लेल हर्षक गप्प ई जे बौआ-बुच्चीकेँ डिजिटली रूप मे शिक्षित हेबाक लेल गाम सँ शहर जयबाक आवश्यकता नहि पड़तैक। डिजिटल तकनीक केर माध्यमें शिक्षाक संग कौशलविकास सँ सब विधा मे दक्षताक मौका गाममे उपलब्ध होयत।
ज्ञातव्य होमय जे कोशी कमिश्नरी मे बनगाँव के संग गौरीपुर(मधेपुरा) आओर अंदौली (सुपौल) केर सेहो चयन डिजिगाँव लेल भेल अछि।

बनगाँव केँ डिजीगाँव बनेबाक प्रयास गामहि केर सक्रिय युवा सामाजिक अभियन्ता प्रसेनजीत झा द्वारा विगत ३ वर्ष सँ कयल जाइत रहल। बनगाँव केर स्थानीय राजनीति आ पंचायती राज व्यवस्था मे पिता-पितामह केर मुखिया होयब तथा गाम-पंचायतक विकास मे हुनका लोकनिक अथक मेहनति आ योजना क्रियान्वयन सँ प्रभावित प्रसेनजीत झा काफी उच्चस्तरीय प्रयास सँ भारत सरकार केर उपरोक्त योजना केँ अपन गाम लेल लागू करौलनि जाहि लेल ग्रामीण समाज हुनकर भरपूर सराहना कय रहल छथि।

Related Articles