चैनपुर – सहरसा मे १९ जनवरी केँ मनाओल जायत मधुकर जयंती

१४ जनवरी २०१९. मैथिली जिन्दाबाद!!

सहरसाक प्रसिद्ध गाम चैनपुर – पंडित मधुकान्त झा ‘मधुकर’ केर गाम चैनपुर केर नीलकंठधाम परिसर मे १९ जनवरी ‘मधुकर जयंती समारोह’ मनायल जेबाक सूचना कार्यक्रम संयोजक कुमुदानन्द झा प्रियवर देलनि अछि। ओ कहलनि अछि एहि बेर सँ गुरु मधुकर महोत्सव मनेबाक निर्णय ग्रामीण लोकनिक अगुवाई मे कयल गेल अछि। एहि सम्बन्ध मे काल्हि रवि दिन १३ जनवरी केँ नीलकंठ महादेव मन्दिर प्रांगण मे एकटा बैसार राखल गेल छल जाहि मे संचालन समितिक गठन कयल गेल। मनोज ठाकुर एवं डा. कुमुदानन्द झा प्रियवर संयोजक, रामफूल मिस्त्री सह-संयोजक, दीपनारायण ठाकुर अध्यक्ष, सत्येन्द्र मिश्र, आलोक ठाकुर टीपू उपाध्यक्ष, वरुण झा महासचिव, राजू भक्तराज संयुक्त सचिव, पंकज कुमार झा कोषाध्यक्ष बनायल गेलाह अछि। बैसार मे विनय झा, शंकर झा, अमरनाथ झा, प्रमोद मिश्र, नरेन्द्र मिश्र, चंद्रकान्त झा, उज्ज्वल आदि सहभागिता देलनि।

मैथिली जिन्दाबाद संग कार्यक्रमक प्रारूप पर चर्चा करैत संयोजक प्रियवर बतेलनि जे प्रातः ८ बजे एकटा शोभायात्रा सँ महोत्सव आरम्भ होयत, औपचारिक उद्घाटन अपराह्न २ बजे कयल जायत वैदिक मङ्गलाचरणक संग तत्पश्चात मधुकर साहित्यक समकालीन उपादेयता विषय पर परिचर्चा गोष्ठीक आयोजन होयत। पुनः मैथिली कवि सम्मेलन तथा सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन एहि समारोहक अभिन्न हिस्सा होयत।

विदित हो जे पंडित मधुकान्त झा मधुकर स्वयं प्रखर साहित्यकार आ दर्जनों प्रकाशित-अप्रकाशित पोथीक लेखक रहलाह। हिनकर लिखल भक्ति-गीत (भजनावली) सेहो काफी प्रसिद्धि पेलक। आइयो बैद्यनाथ धाम केर पैदल मार्ग मे मधुकर बाबा केर अनेकों भावपूर्ण भजन मासिक काँवरिया, माघी कामर यात्रा मे चलनिहार विशेष रुचि सँ गबैत-सुनैत देखल जाइत छथि। मधुकर बाबा स्वयं सेहो अपन जीवनक आखिरी समय धरि बाबा बैद्यनाथ ओ गंगाक सेवा मे हाजिरी लगबैत रहलाह। कार्यक्रम संयोजक कुमुदानन्द झा प्रियवर हिनक दौहित्र होयबाक संग शिष्य सेहो रहलखिन अछि। मधुकर बाबाक साहित्य मे महाकवि कोकिल विद्यापति आ लक्ष्मीनाथ गोसाईं केर शिल्प देखय लेल भेटैत अछि। मधुकर बाबाक हजारों शिष्य एवं अनुगामी सौंसे मिथिला मे छथि। प्रियवर जनतब दैत कहलनि अछि जे मधुकर साहित्य पर विचार रखनिहार वक्ता सब केँ आमंत्रित कय रहल छी जाहि मे सहरसा मे उपलब्ध मैथिलीक विद्वान आ सम्पर्क मे जे छथि हुनका सभक नामक सूची तैयार कयल जा रहल अछि। एहि मे मधुकर विचार मंच सँ जुड़ल लोक आ मुखिया चैनपुर दीपनारायण ठाकुर केर अगुवाई रहत। तहिना मैथिली कवि एवं गायक-कलाकार केर सहभागिता मे एहि अवसर पर कवि गोष्ठी तथा सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन कयल जायत। एहि वर्ष किछु संछिप्त मे आयोजन होइतो ऐगला वर्ष सँ सुसंगठित रूप मे ई आयोजन हर वर्ष मनेबाक निर्णय लेल गेल अछि।