केन्द्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री प्रकाश जावड़ेकर केँ मिथिलावासीक तरफ सँ सम्मान

सीबीएसई मे मैथिली केर पढौनीक मान्यता लेल मानव संसाधन विकास मंत्री प्रकाश जावड़ेकर केँ सम्मान

नयी दिल्ली, १९ दिसम्बर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

सीबीएसई मे मैथिली केँ शामिल करबाक लेल केन्द्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री प्रकाश जावड़ेकर केँ आइ हुनक मंत्रालय शास्त्री भवन मे पद्मश्री राज्यसभा सांसद डा० सी. पी. ठाकुर, विद्यापति सेवा संस्थान केर महासचिव डॉ० बैद्यनाथ चौधरी बैजू और अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति केर अंतरराष्ट्रीय संयोजक प्रो० अमरेन्द्र कुमार झा केर नेतृत्व मे दिल्ली एनसीआर केर दर्जनों मिथिलावासी द्वारा पुष्प माला, मिथिलाक पारम्परिक परिधान पाग और दोपटा सँ सम्मानित कयल गेलनि । ई जनतब अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक प्रवक्ता इं. शिशिर कुमार झा अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत करौलनि अछि।

संघर्ष समिति द्वारा केन्द्रीय मंत्री श्री प्रकाश जावड़ेकर केँ 10+2 धरि मैथिलीक पढ़ाई शुरू करेबाक, केन्द्रीय विद्यालय मे मैथिली केँ शामिल करेबाक, सीटेट मे मैथिली केँ स्थान देबाक, यैह सत्र मे मैथिली केर पढ़ाई सीबीएसई मे शुरू करेबाक, मिथिलाक्षर केर विकास और संवर्धनक लेल बनायल गेल मृतप्राय आयोग केँ भंग कय नव आयोग बनेबाक जोरदार मांग करैत एकटा मांगपत्र सेहो सौंपल जेबाक जनतब कराओल गेल अछि। केन्द्रीय मंत्री मैथिल लोकनि द्वारा सम्मान सँ अभिभूत होइत संवैधानिक भाषा मैथिली लेल अपना स्तर सँ पूर्ण सहयोग करबाक वचन देलनि।

प्रतिनिधि मंडल मे अनिल झा, हरेकांत झा, तपन झा, अमरनाथ झा, आर एन झा, हीरालाल प्रधान, संजीत चौधरी, दिवाकांत झा, धीरेन्द्र झा, अनीस झा, अजय झा, शिवधर राय, कृष्णा झा और भगवंत झा प्रमुख छलाह।

राष्ट्रीय प्रवक्ता ई. शिशिर कुमार झा कहलनि जे ई क्षण ऐतिहासिक छल, पद्मश्री डा० सी पी ठाकुर और विद्यापति सेवा संस्थान केर महासचिव डा० बैद्यनाथ चौधरी बैजू द्वारा जनवरी २०१९ मे नागरिक अभिनंदन लेल केन्द्रीय मंत्री केँ दरभंगा एबाक आमंत्रण सेहो देलनि जेकरा ओ सहर्ष स्वीकार कयलनि अछि।