विराटनगर, १८ दिसम्बर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
पूर्व वर्षक भाँति एहि वर्ष सेहो नेपाल-भारत सीमाक्षेत्र विराटनगर केर पड़ोसी भारतीय नगर मे २९ दिसम्बर शनि दिन केँ अन्तर्राष्ट्रीय विद्यापति महोत्सव २०१८ आयोजित कयल जायत। एहि आयोजनक प्रमुख अतिथि बिहार सरकारक पीएचईडी मंत्री विनोद नारायण झा रहता। हुनका संगहि नेपालक पूर्व केन्द्रीय मंत्री एवं वर्तमान सांसद शिव कुमार मंडल केर भागीदारी प्रमुख अतिथिक तौर पर नेपाल सँ रहत। – ई जनतब आयोजनकर्ता समूह समग्र मैथिल समाज केर संयोजक एवं चर्चित संचारकर्मी वरुण मिश्रा कहलनि। देल गेल जनतब अनुसार एहि वर्ष सीमा क्षेत्रक दुनू पारक पूर्वी मिथिलाक लोकहित लेल बिहार सरकार एवं नेपाल सरकारक प्रतिनिधिद्वय प्रमुख अतिथि लोकनि केँ मांगपत्र सेहो देल जेबाक निर्णय आयोजन समिति द्वारा कयल गेल अछि।
उपरोक्त समारोह मे महाकवि विद्यापतिक स्मृतिगानक संग समसामयिक सामाजिक-भाषिक-सांस्कृतिक समस्या पर आधारित विचार गोष्ठी, कवि सम्मेलन तथा सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कएल जेबाक बात वरुण मिश्रा कहलनि। ओ कहलनि जे नेपालक तरफ सँ विभिन्न विशिष्य अतिथि यथा विराटनगर महानगरपालिकाक मेयर भीम पराजुली, प्रदेश सांसद जयराम यादव एवं केदार कार्की, भारतक तरफ सँ जोगबनी नगरपंचायतक मुख्य पार्षद् अनिता देवी, कटिहार महापौर विजय सिंह, पूर्व विधायक जाकिर अनवर खान, पूर्व विधायिका दमयन्ती देवी यादव, पूर्व विधायक लक्ष्मी नारायण मेहता, पूर्व सांसद सुखदेव पासवान, वरिष्ठ समाजसेवी एवं राजनीतिज्ञ शंभुनाथ मिश्र, समाजसेवी अजय झा (अररिया), नवीन झा (कटिहार), शंकर झा बाबा (पूर्णिया) सहित मैथिली भाषा-संस्कृति अभियान मे अहर्निश कार्य कयनिहार विभिन्न व्यक्तित्व लोकनिक सहभागिता अपेक्षित अछि। हिनका लोकनिक मौजूदगी मे सीमा आर-पारक मैथिलीभाषी मैथिल जनसमुदाय केर आपसी मैत्री आ सद्भावना केँ बढबैत नेपाल-भारत केर मित्रता केँ आरो दीर्घगामी बनबैत विश्वक प्राचीनतम सभ्यता मिथिला आ भाषा मैथिली लेल हितकारी कार्ययोजना विकसित करबाक लक्ष्य लेल गेल अछि।
बकौल मिश्रा पूर्वी मिथिला क्षेत्रक लोकसमस्या मे भारतीय रेल परिचालन सम्बन्धित समस्या सँ लैत सरकारी विद्यालय तथा महाविद्यालय मे मैथिली भाषाक पढौनी आ शिक्षक केर नियुक्ति दिश सरकारक ध्यानाकर्षण हेतु मांगपत्र देल जायत। तहिना नेपालक प्रदेश १ तथा प्रदेश २ मे मैथिली भाषा केँ कामकाजक भाषा बनेबाक तथा नेपालहु दिश मैथिली विषयक पढौनी लेल शिक्षकक नियुक्ति दिश सरकारक ध्यानाकर्षण कराओल जायत। प्रदेश १ केर राजधानी विराटनगर मे दुनू कातक लोक हेतु स्वास्थ्य जाँच संग उच्च शिक्षा मे मेडिकल तथा इंजीनियरिंग हेतु भारत-नेपाल मैत्री केँ सुदृढीकरण हेतु उपयुक्त मेडिकल कालेज तथा इंजीनियरिंग कालेज केर स्थापनाक मांग सेहो दुनू सरकार सँ कयल जायत। संगहि, जोगबनी नगरपंचायत मे महाकवि विद्यापतिक प्रतिमा स्थापित करबाक लेल उपयुक्त स्थान तथा प्रतिमा स्थापना हेतु पहल कयल जायत। भारत सरकार सँ मिथिलाक नाम पर ‘सीमांचल एक्सप्रेस’ केर पुनर्नामकरण ‘मिथिलांचल एक्सप्रेस’ बनेबाक अनुरोध कयल जायत। तहिना जोगबनी सँ कोलकाता लेल चलयवाली गाड़ी केँ प्रतिदिन चलेबाक लेल सेहो मांग राखल जेबाक जनतब संयोजक मिश्रा देलनि।
एहि समारोह द्वारा भाषा-साहित्य, समाज, संस्कृति एवं शिक्षा आदिक क्षेत्र मे महत्वपूर्ण योगदान देनिहार अनेकों व्यक्तित्वक सम्मान सेहो कयल जेबाक जानकारी करौलनि अछि। एहि मेवरिष्ठ गायक रामा मंडल एवं मांगन मिश्र मार्त्तन्ड केर नाम सर्वोपरि लैत आरो विभिन्न व्यक्तित्व केँ हुनक विशिष्य योगदान हेतु सम्मान देबाक बात कहलनि। उद्घाटन सत्र मे विचार गोष्ठीक उपरान्त कवि सम्मेलन मे वयोवृद्ध मैथिली कवि दयानन्द दिक्पाल यदुवंशी, मांगन मिश्र मार्त्तन्ड, कर्ण संजय आदिक प्रस्तुति होयत। कार्यक्रमक अन्तिम सत्र मे सांस्कृतिक संध्याक आयोजन कयल जायत जाहि मे वरिष्ठ गायक रामा मंडल, चर्चित गायक पवन नारायण, जनकपुर सँ नवीन मिश्रा एवं हेलो मिथिला सांस्कृतिक समूहक विभिन्न कलाकार, राँची सँ ज्योति मिश्रा, पटना सँ बबली चौधरी, राँची सँ श्वेता रानी, विराटनगर सँ वीरेन्द्र झा, भागवत मंडल, लहान सँ तेजू मैथिल आदिक उपस्थिति महत्वपूर्ण होयत। अन्त मे मैथिल सामूहिक भोज केर सेहो इन्तजाम कयल गेल अछि जाहि सँ कनकन्नी जाड़क मास मे जे कियो कार्यक्रम देखय आबथि, तिनका सभ केँ कार्यक्रमहि स्थल पर भोजनक इन्तजाम भेटन्हि।