Search

मैथिल ब्राह्मण समाज नेपाल द्वारा विवाह पन्चमीक अवसर पर सेवा शिविर केर निरन्तरता अहु वर्ष

जनकपुरधाम, १४ दिसम्बर २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिल ब्राह्मण समाज, नेपाल द्धारा विवाहपन्चमीक अवसर पर २०६७ साल सँ रंगभूमी मैदानमे सेवा–शिविरक आयोजन भs रहल अछि, एहि क्रममे अहु बेर विशाल शिविर आयोजन कs विविध निःशुल्क सेवा प्रदान कायल गेल । समाजक अध्यक्ष पवन झा अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत ई जनतब करौलनि अछि ।

श्री रामजानकी विवाह महोत्सव–२०७५ केर अवसर पर जनकपुरधामक रंगभूमी मैदानकेर उत्तर–पश्चिम मे एहि संस्थाक सेवा–शिविर रहैत अछि । निःशुल्क औषधी उपचार, पेयजल आ चाय, आकस्मिक सेवा (एम्वुलेन्स), घुरक व्यवस्था, रात्री विश्रामक व्यवस्था, हरायल भुतलायलके खोजी इत्यादि सेवा प्रदान कायल जायत अछि ।

आमोद कुमार झाक संयोजकता आ सदानन्द झा, राघवेन्द्र मिश्र, रुद्र कु. झा, रुक्का मिश्र, सूर्यकान्त झा, महन्थ झा, राकेश झा, विपिन कु. झा, धिरेन्द्र कु. झा, प्रमोदानन्द झा, कौशलेन्द्र मिश्र, लक्ष्मीकान्त झा, श्रष्ट नारायण झा, पूनम झा, दिनेश झा, दिपेश झा, दिपु झा लगायत अन्य सदस्य, महिला, डाक्टर, प्राविधिक सबकेर सक्रिय सहयोगमे विवाहपन्चमीक अवसर पर आयोजन भेल सेवा–शिविर सफलतापूर्वक सम्पन्न भेल अछि । मैथिल ब्राह्मण समाजक अध्यक्ष पवन कुमार झा द्धारा आजुक समीक्षा बैसार में संयोजक लगायत सहयोगी सबगोटे केँ ससम्मान धन्यवाद ज्ञापन कयल गेल अछि ।

रामजानकी विवाहाेत्सव केर शुभ अवसरिमे मैथिल ब्राम्हण समाज नेपालक सेवा शिविर मे भाैतिक पुर्वाधार राज्यमंत्री मा. डा. डिम्पल झा आ हुनक माँ संग संगी लोकनिक उपस्थिति सँ समाज आह्लादित भेल तथा एहि वास्ते हुनका प्रति आभार प्रकट केलक ।

Related Articles