विमल जी मिश्र, नव दिल्ली। मई १०, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला स्टुडेन्ट युनियन – दिल्ली तथा मैथिल लोक मंच – दिल्ली केर संयुक्त तत्त्वावधान मे राखल गेल शान्ति मार्च संग रैली-जुलूस सहित नाराबाजी करैत शहरी विकास मंत्री वेंकैया नायडुक निवास स्थान जाइत ज्ञापन पत्र देबाक पूर्व निर्धारित कार्यक्रम संपन्न भेल। एहि जुलूस मे नाराबाजी आ उग्रता सँ आशंकित सुरक्षाकर्मी पूलिस प्रशासन प्रदर्शनकारी सबकेँ गिरफ्तार करैत थाना मे लऽ गेल छल। संध्या ५ बजेक आसपास फेर सब केँ रिहा कय देल गेल। ‘हमहुँ खाय छी दाना-पानी, नै खाइ छी घास – दरभंगा, सहरसा आ पुर्णियां मे, हमरो चाही सिटी स्मार्ट’ नारा लगबैत प्रदर्शनकारी सब अपन माँग राखि रहल छलाह।
विदित अछि जे उत्तर-बिहार यानि मिथिलाक्षेत्र मे एकमात्र मुजफ्फरपुर केँ स्मार्ट सिटी बनेबाक घोषणा केन्द्र सरकार द्वारा कएलाक बाद कम सँ कम आरो तीन टा मुख्य शहर केँ एहि मे जोड़बाक माँग करैत मिथिला स्टुडेन्ट युनियन व मैथिल लोक मंच द्वारा आन्दोलन करबाक घोषणा कैल गेल छल। तदनुरूप आजुक प्रदर्शन केर आयोजन मे करीब ५० गोट सहभागीलोकनि विभिन्न जिलासँ भाग लेलनि। खबैड़ भेटल अछि जे पाँच-छ: गोट आन्दोलनकारी शहरी विकास मंत्री वेंकैया नायडुक निवास धरि पहुँचि अपन माँगपत्र सेहो सौंपलनि।

1 Comment
Jai Mithila !
Jai Maithil !!
Jai maithili !!!