Search

इनरुवा मे सामा-चकेवाक उपलक्ष्य मे मैथिली सांस्कृतिक संध्याक आयोजन

इनरुवा, सुनसरी। २२ नवम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

युवा सामाजिक-सांस्कृतिक एवं भाषा अभियन्ता धीरज बर्माक अगुवाई मे प्रत्येक वर्ष होबयवला मैथिली सांस्कृतिक कार्यक्रम एहि बेर सामा-चकेवाक उपलक्ष्य मे इनरुवा मे आयोजित कयल जायत। युनाइटेड इनरुवा नेपाल केर बैनर मे ई आयोजन २३ नवम्बर शुक्र दिन स्थानीय महेन्द्र चौक परिसर मे आयोजित होयत। धीरज बर्मा मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी दैत कहलनि अछि जे कार्यक्रम संध्याकाल ५ बजे सँ अनौपचारिक रूप सँ शुरू होयत, परञ्च संध्या ७ बजे औपचारिक उद्घाटन इनरुवा नगरपालिकाक मेयर राजन मेहता द्वारा कयल जायत। एहि औपचारिक उद्घाटन सत्र मे मिथिलाक महान पाबैन ‘सामा-चकेवा’ पर प्रकाश देबाक संग-संग भाषा, संस्कृति, सामाजिक सौहार्द्र, पर्यटन आ आर्थिक विकास सँ जुड़ल विषय पर मुख्य अतिथि मेयर राजन मेहता सहित किछु महत्वपूर्ण वक्ता लोकनि द्वारा संबोधन कयल जायत।

मैथिली सांस्कृतिक साँझ २०७५ केर शीर्षक मे आयोजित उक्त कार्यक्रम मे मिथिलाक चर्चित गायक भागवत मण्डल, सन्नु कुमार तथा गायिका तनुजा चौरसियाक मुख्य उपस्थिति रहत। संगहि रंगकर्मी-सिनेकर्मी कमल मंडल एवं प्रकाश अनुराग द्वारा सेहो विभिन्न प्रस्तुति देल जेबाक जनतब भेटल अछि। मैथिली गीत संगीत तथा नृत्य लेल विराटनगरक श्री राजदेवी संगीत कला केन्द्र केर विभिन्न कलाकार लोकनि द्वारा मिथिलाक मौलिकता केँ झलकाबयवला अनेकों नृत्य-झाँकी आदिक प्रदर्शन कयल जायत। इनरुवा मे मैथिली गीत-संगीत-नृत्य प्रति आमजन मे बड पैघ लगाव मैथिलीभाषी संग अन्य-अन्य भाषाभाषी मे सेहो देखल जाइत अछि। एहि कार्यक्रम मे पर्यटन विकासक विन्दु पर सेहो मंथन कयल जाइत अछि। भाषा-संस्कृतिक संरक्षण आ संवर्धनक उद्देश्यक संग लोकमानस मे मैथिली भाषाक मिठास घोलब सेहो लक्ष्य रहैत अछि, संयोजक धीरज बर्मा कहलनि। एहि कार्यक्रम मे रमेश रंजन झा, सुमन घिमिरे, प्रवीण नारायण चौधरी सहित विभिन्न विशिष्ट व्यक्तित्व लोकनिक सहभागिता सेहो अपेक्षित रहबाक बात संयोजक बर्मा बतेलनि।

Related Articles