सुदूर गाम धरि देशव्यापी सांस्कृतिक चेतना जगा रहल अछि ‘अछिञ्जल’

बिहार केर विरासत तथा कला-संस्कृति केर अलख जगाकय राखय लेल प्रयासरत अछिञ्जल राष्ट्रीय स्तर केर एक गोट अग्रणी संस्था थिक। अछिञ्जल अनेकों महत्वपूर्ण सांस्कृतिक कार्यक्रम यथा अन्य-अन्य राज्य संग सांस्कृतिक आदान-प्रदानक संग अन्तर्राज्यीय संबंध स्थापित करबाक विभिन्न गतिविधि, कला-प्रदर्शन, कला-शिक्षण, गोष्ठी आदि केर आयोजन कयलक अछि। अछिञ्जल केर विभिन्न प्रस्तुति एहि राज्य सभक संग भारतवर्ष केर विभिन्न प्रान्त मे सेहो होइत रहल अछि। एहि कड़ी मे विगत दुइ वर्ष केर भांति अहु वर्ष सेहो राष्ट्रीय लोक उत्सव केर आयोजन कयल गेल जाहि मे कला प्रदर्शनक माध्यम सँ अन्य राज्य केर संग सांस्कृतिक संबंध केर दिशा मे अभूतपूर्व कार्य भेलl
संस्कृति मंत्रालय, भारत सरकार और संगीत नाटक अकादमी केर सहयोग सँ बिहार सहित कुल ७ राज्य पश्चिम बंगाल, ओडिशा, उत्तर-प्रदेश, झारखंड, दिल्ली और मध्य-प्रदेश केर राष्ट्रीय ख्याति-प्राप्त कला-दल द्वारा विलक्षण प्रदर्शन भेलl ५० विभिन्न कला-विधा आदि केर लगभग ३०० कलाकार लोकनिक ई कला समारोह संस्कृति केर महा-कुम्भ साबित भेल अछिl १६ सँ १८ अक्टूबर धरि मधुबनी जिलाक भटसीमैर गाम मे नीलमणि सांस्कृतिक परिषद मुक्ताकाश मंच पर प्रत्येक दिन अपराह्न २ बजे सँ ऐगला भोरक ६ बजे तक सैकड़ों कला-सुधिजन आर संस्कृति-मर्मज्ञ लोकनिक वास्ते ई अद्भुत संयोजन कयल गेलl
अछिन्जल केर एहि अथक प्रयास सँ ई त्योहारी उमंग मे निश्चय टा अपन संस्कृति सँ जुड़बाक आर ओकर रसास्वादन करबाक बेहतरीन अवसर देलकl दुर्गा पूजा केर एहि मनभावन समय मे रसनचौकी, मैथिली लोक-संगीत, पुरुलिया छऊ, पुतुल कला, जादु का खेल, कबीर गायन, सलहेश लोक नाट्य, नट-करतब, आल्हा, कारुख महराई, झिझिया नृत्य सहित एहि राज्य सभक कुल १० नाटक और विविध कला रूप केर मंचन दर्शक लोकनि लेल हृदयस्पर्शी छल आर सदा-सदा लेल अविस्मरणीय रहत।
कार्यक्रम केर उद्घाटन विशेष-अतिथि श्री राम लखन राम “रमण” भूतपूर्व शिक्षा मंत्री, बिहार सरकार, मुख्य अतिथि प्रसिद्ध नाटककार एवं लोक कला मर्मज्ञ श्री महेंद्र मलंगिया; लोककला विशेषज्ञ डा0 महेंद्र नारायण राम; दिल्ली विश्वविद्यालय मे कार्यरत प्राध्यापिका डा सविता झा खान; विद्वान् श्री के. एन.झा एवं मशहूर लेखक श्री अजित आजाद द्वारा दीप प्रज्ज्वलित कय केँ कयल गेल छल। प्रसिद्ध रंगकर्मी और अछिन्जल केर अगुआ श्री काश्यप कमल केर ई परिकल्पना केँ साकार कयलनि कार्यक्रम संयोजक डा. भारती मेहता एवं श्री यदुवीर यादव, क्रियान्वयक श्री नबोनाथ झा एवं श्री बजरंग मण्डल, सज्जाकार श्री श्यामचरण सोनू एवं श्री अजीत झा तथा महोत्सव निर्देशक श्री अभिषेक देवनारायण जीl काश्यप कमल द्वारा सुधि-जन केँ साधुवाद दैत सब सहकर्मी तथा सहयोगी केर आभार मानैत संस्कृति केर संरक्षण और संवर्धन वास्ते अपन संकल्प केँ फेर सँ दोहरेलनिl ऐगला साल एक आरो लोक उत्सव तथा अन्यान्य कला उत्सव केँ साकार करबाक प्रेरणाक संग ई उत्सव संपन्न भेल।
1 Comment
बहुत नीक समाचार
धन्यवाद