Search

जनकपुर सँ पटना केर बस सेवाक शुभारंभ, मुख्यमंत्री लाल बाबू राउत तथा मेयर शाह द्वारा उद्घाटन

बटुकनाथ झा, जनकपुर। १६ सितम्बर, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

जनकपुरधाम–पटना बस सेवा संचालन शुरू

नेपालके प्रदेश नं. २ के राजधानी जनकपुरधाम सँ भारत बिहार राज्यक राजधानी पटना लेल आइ सँ जनकपुर पटना मैत्री बस सेवा संचालनमे आयल अछि । प्रदेश नं. २ केर मुख्यमन्त्री लालबाबु राउत तथा जनकपुरधाम उपमहानगरपालिकाक नगर प्रमुख लालकिशोर साह द्वारा बस केँ संयुक्त रुप सँ हरियर झण्डा देखा पटनाक लेल रवाना कयल गेल अछि ।

गत बैसाख २८ गते अर्थात ११ मई केर दिन भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी तथा नेपालक प्रधानमन्त्री केपी ओली जनकपुर अयोध्या बस सेवा केँ हरियर झण्डा देखा उद्घाटन केलाक बादो एखन धरि ओ बस सेवा संचालन नहि भऽ सकल बेर मे ई दोसर बस सेवा आरम्भ कयल गेल अछि ।

शुभारंभ कार्यक्रम केँ संबोधित करैत मुख्यमन्त्री राउत कहलन्हि जे ई बस सेवा संचालन सँ दुनू राजधानी बीचक सम्बन्ध प्रगाढ होयत । एहि सँ पर्यटक लोकनिक आवागमन मे सेहो सहुलियत होयबाक ओ विश्वास जतौलन्हि । कार्यक्रममे बजैत ओ भारतीय प्रधानमन्त्रीक जनकपुरधाम भ्रमणकबाद जनकपुरधाम मे भारतीय पर्यटक अयबाक संख्यामे बृद्धि भेल बतबैत ई बस संचालन सँ आरो बेसी पर्यटक जनकपुरधाम एबाक संयोग बनत जाहि मे ई बस सेवा सँ सहुलियत होयत ओ कहलन्हि । एहि प्रकार सँ जनकपुरधाम पटना बस संचालनमे सीमा क्षेत्रक भंसार विभाग केँ कोनो समस्या भेलापर तेकर तत्काल समाधान लेल प्रदेश नं. २ केर प्रहरी प्रमुख दिनेश अमात्य तथा प्रमुख जिल्ला अधिकारी प्रेमलाल लामिछाने केँ निर्देशन देलन्हि ।

इम्हर, जनकपुर अञ्चल बस व्यवसायी संघक अध्यक्ष मनोज चौधरी सेहो भंसारमे आबयबला समस्याक समाधान करबाक लेल आग्रह कयलन्हि । नेपाल–भारत मैत्री बस सेवा नाम देलगेल ओ बस मञ्जुश्री प्रा. लि. द्वारा बस उपलब्ध कराओल गेल अछि । जनकपुर सँ जाएबला बस भिठ्ठामोड, सीतामढी, मुजफ्फरपुर होइत पटना पहुँचबाक रूट निर्धारण कयल गेल अछि । जनकपुरधाम–पटनाक भाड़ा भारतीय टका २७५ निर्धारण कयल गेल अछि ।

Related Articles