Search

उत्तरप्रदेश केर मैथिल जनमानस संग जुड़य चाहैत छथि समाजवादी पार्टी प्रमुख अखिलेश यादव

कानपुर, २९ अगस्त, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला समाज सँ जुड़य चाहैत छीः अखिलेश यादव
 
समाजवादी पार्टी मुखिया एवम् उत्तर प्रदेश केर पूर्व मुख्यमंत्री अखिलेश यादव पार्टीक आन्तरिक बैसार मे मिथिलाक लोक सँ विशेष रूप सँ जुड़बाक लेल अभियान चलेबाक निर्देशन देलनि अछि। कानपूर मे पार्टीक विभिन्न प्रभार सम्हारनिहार युवा नेता अनिल झा केँ एहि लेल विशेष भार दैत युवा समाजवादी नेता इच्छा जतौलनि जे पूरे प्रदेश मे अदौकाल सँ मिथिलाक लोक केर विशेष योगदान देखैत पार्टीक विचारधारा सँ जोड़ब तथा हुनका लोकनिक स्थिति-परिस्थिति मे पार्टी द्वारा राजनीतिक तौर पर कि सब कयल जा सकैत अछि ताहि पर कार्य करबाक जरूरत अछि।
 
मिथिलाक लोक द्वारा सैकड़ों वर्ष सँ जाहि तरहें देशक शासन चलौनिहार केँ जाहि तरहें अपन बौद्धिक परामर्शक संग ईमानदारिता भरल श्रम सेवा सँ राष्ट्र केँ आगू बढायल गेल अछि ताहि यथार्थ केँ प्रशंसा करैत आइ उत्तर प्रदेश मे रहल लाखोंक जनसंख्या मे ‘ब्रजस्थ मैथिल’ तथा शिक्षालय, धर्मालय आदि मे मिथिलाक पांडित्य परम्परा आ स्वतंत्र भारत मे प्रशासनिक सेवा सँ लैत सरकारी विभिन्न तहक सेवा मे सेहो मैथिल लोकक खास भूमिका केर चर्चा कयलनि। ओ कहलनि जे उत्तर प्रदेश केर समग्र विकास मे मिथिलाक लोकक उत्कृष्ट योगदान रहल अछि आर समाजवादी विचारधाराक संस्थापकद्वय जयप्रकाश नारायण तथा राम मनोहर लोहिया पर्यन्त मिथिला सँ कनेक्टेड रहिकय देश मे शासनक नीक विकल्प तैयार करबाक काज कयने छथि। एहेन स्थिति मे वर्तमान उत्तर प्रदेश केर मैथिल जनमानस जे अनुमान सँ करीब १ करोड़ होयबाक बात कहल जाइछ ताहि पर ध्यान दैत हुनका लोकनिक रहन-सहन, बच्चाक शिक्षा-दीक्षा, भाषा, संस्कृति, समाज सब क्षेत्र मे पार्टी उल्लेखनीय योगदान देबाक लेल प्रतिबद्ध अछि।
 
मैथिली जिन्दाबाद सँ वार्ता करैत अनिल झा एहि सम्बन्ध मे आगामी किछुए समय मे काशी, इलाहाबाद, आगरा, अलीगढ, मथुरा, वृन्दावन, नोएडा, गाजियाबाद, भदोही, व अन्य मैथिल बहुल्य प्रवासक्षेत्र मे पार्टी द्वारा अभियान चलबैत मैथिल जनमानस सँ हुनकर वर्तमान अवस्था, सरोकार आ चिन्ता पर चर्चा करैत पार्टी द्वारा नीति निर्धारण करैत आगामी समय मे राजनीतिक सहभागिता मे सेहो महत्वपूर्ण कार्य कयल जेबाक बात कहलनि। बकौल अनिल झा, मिथिला प्रति अपन स्नेह आ मैथिल जनमानस केर प्रगति लेल चिन्तन मे निरन्तरताक कारण अपन प्रमुख नेता अखिलेश यादवजी सँ ई भार भेटब साक्षात् जानकीक कृपा रहबाक बात कहलनि आर एहि दिशा मे पहिले तऽ प्रदेश स्तरक आ बाद मे देश स्तरक राजनैतिक स्थिति मे मिथिलाक मानवर्धन करबाक लेल अपन प्रतिबद्धता दोहरेलनि। ओ अपील करैत कहलनि जे प्रदेश मे रहनिहार मैथिल जनसमुदाय अपन कोनो सरोकार आ चिन्ताक विषय बेहिचक सूचित करथि, व्हाट्सअप नंबर +919554956803 पर हमरा संग जुड़थि आर देश-प्रदेशक राजनीति मे अपन पुरुखा जेकाँ महत्वपूर्ण भूमिकाक निर्वहन करथि, ओ आग्रह कयलनि। विदित हो जे मैथिली आ मिथिलाक लेल अनिल झा दिल्ली सँ दरभंगा धरि अपन महत्वपूर्ण योगदान सब दिन दैत आयल छथि, संगहि मिथिलाक समग्र विकास लेल मिथिला राज्य लेल सेहो ओ समर्थन संग प्रयास सेहो करैत आयल छथि।
 
हरिः हरः!!

Related Articles