मैथिली एल्बमः मैथिली-मिथिलाक लेल “प्रेम डगर”
सब जुल्म सहब, तैयो प्रेम हम करब
प्रेमक दुश्मन सँ कहियो नहि डरब आब हम
ओहोहोहो लालालाला
अहाँ संगे जियब अहाँ संगे मरब
प्रेमक दुश्मन सँ कहियो नहि डरब आब हम
ओहोहोहो लालालाला
जला दे मिटा दे चाहे फाँसी चढा दे
हैँस हैँस के सहि लेब हम चाहे कोनो सजा दे
प्रेम केलहुँ हम चोरी नै केने छी
दिल लऽ के हम दिल दऽ देने छी
ईहे बात आइ हम दुनिया से कहब
प्रेमक दुश्मन सँ कहियो नहि डरब आब हम
ओहोहोहो लालालाला
जाति धरम के ई प्रेमी नयि मानय
प्रेमक पथ पर सब दिल के बात जानय
हाथ से हाथ हम एको बेर नहि छोड़ब…
एस टाइम्स मैथिली म्युजिक केर यू-ट्युब पर नव प्रस्तुति जयराम यादव तथा जानुका दहाल अभिनीत नवका वीडियो एल्बम “प्रेम डगर” हालहि २२ अगस्त केँ रिलीज कयल गेल अछि। मात्र एक सप्ताह मे हजारो दर्शक द्वारा देखल जा चुकल ई एल्बम केर गीति रचना सरोज मंडल द्वारा कयल गेल अछि आर आवाज देलनि अछि उभरैत मिथिला गायक मनोज यादव भोले। गीतक बोल, धुन आ छायांकन सभ बात मैथिली गीत मे किछु नयापन अनबाक बात जयराम यादव यदुवंशी कहलनि। विदित हो जे एस टाइम्स मैथिली म्युजिक द्वारा हाल धरि दर्जनों सैकड़ों मैथिली गीत रिलीज कयल जा चुकल अछि आर मैथिली गीत-संगीत केर दुनिया मे एकटा अलग विलक्षण स्थान रखैत अछि ई चैनल। मैथिली गीत-संगीत केर दुनिया मे यूट्युब केर सहारा मात्र एहि कलाकार सब केँ, प्रोडक्सन हाउस केँ आ विभिन्न प्रतिभा केँ थोड़-बहुत जान देलक अछि, जँ एहि मे आरो कमर्सियल प्रयोग संभव होय, लाईव शो आ विज्ञापन सँ कलाक प्रदर्शन संभव हेतैक त निश्चित आबयवला दिन मे मैथिली म्युजिक, वीडियो आ फिल्म आदिक नीक समय आओत – ई बात मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक प्रवीण नारायण चौधरी कहलनि आ संगहि सम्पूर्ण ‘प्रेमक डगर’ कलाकार, गायक, प्रोड्युसर, डायरेक्टर आदि केँ हृदय सँ शुभकामना सेहो देलनि अछि।