Search

आब सुनू यू ट्यूब पर प्रेमक बसात केर सुन्दर सुपर हिट गीत

14 भ्यूज

मैथिली फ़िल्म गीत पर अमित मिश्र

कहबा मे कोनो संकोच नै जे ई एकटा सुन्दर सन गीत अछि ।आइटम गीत होइतो शब्द मर्रादामे अछि।नेहा आ प्रवेश जीक गायकी फुल एनर्जीमे देखा रहल अछि ।हमरापर विश्वास नै हुए त’ अपने सुनि क’ प्रमाण ल’ सकैत छी ।म्यूजिक आ बोल बॉलीबुड आइटम नंबरक स्तरक बुझना जाइत अछि ।मैथिलीमे कोरियोग्राफीक स्तर नीक नै रहल अछि मुदा एहिमे सटीक कोरियोग्राफ भेल अछि ।एकरोसँ बेसी प्रभावित करैत अछि कलाकार सभक ट्यूनिंग ।रिदमपर सभक मूभ एक रंग एक संग अछि से बेसिए प्रभावित करैत अछि ।कहल जाए त’ फिल्म हमर गाममे शूट भेल ताहि कारण नै, काज नीक भेल अछि ताहि कारणे हमरा ई फिल्म अपन प्रसंशक बना लेलक अछि । लिंकपर सुनू पूरा गीत

 

Related Articles