रिपोर्ट – “रविन्द्र भारती”, मधुबनी
मधुबनी केमिस्ट एवं ड्रगिस्ट एसोसिएशनक एग्यारहम त्रिवार्षिक आम सभाक चुनाव होटल वाटिकाक सभागार में सुसम्पन्न भेल।
चुनाव में अध्यक्ष पद पs मनोज कुमार ( मेहता आयुर्वेद भंडार ) अपन प्रतिद्वंद्वी रामशरण महतो (आर एस फार्मा ) के 174 मत सँ पराजित कs विजयी घोषित केलैण।
उपाध्यक्ष पद पs ललन राउत निर्विरोध चुनल गेलैन।
सचिव पद पs दीपक कुमार श्रीवास्तव निर्विरोध चुनल गेलैन।
संयुक्त सचिव पद पs गोपाल प्रसाद गुप्ता अपन प्रतिद्वंद्वी कबीर अंसारी के 310 मत सँ पराजित कs विजयी घोषित भेल।
कोषाध्यक्ष पद पs गणेश राय तथा संगठन सचिव पद पs राजीव कुमार
निर्विरोध चुनल गेलैन।