मैथिली आ भोजपुरी भाषा केँ सरकारी कामकाजक भाषा बनेबाक ज्ञापन मुख्यमंत्री केँ सौंपल गेल

जनकपुर, ५ जुलाई २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

आइ मुख्य मन्त्री कार्यालय, जनकपुरधाममे प्रदेश २ के मुख्य मंत्री मो. लाल बाबु राउतके मातृभाषा सम्बन्धी ज्ञापनपत्र देल गेल अछि। मैथिली साहित्यकार सभा के अध्यक्ष प्रेम विदेह ललनक संयोजन मे गेल प्रतिनिधिमंडलमे मिथिला नाट्य कला परिषद्क अध्यक्ष परमेश झा, मिथिला संस्कृति विकास केन्द्र, महोत्तरीक अध्यक्ष प्रा. ताराकान्त झा, मैथिली विकास कोषक प्रतिनिधि पुनम झा आ भाषा अभियानी शबनम खातुन सहभागी छलीह।

सप्तरी स पर्सा तकक सात जिलाक संस्थागत प्रतिनिधि सभक हस्ताक्षर कएल सात सूत्रीय ज्ञापन पत्रमे प्रदेश आ जिला कार्यालय सबमे मैथिली आ भोजपुरी भाषामे कामकाज, प्राथमिक तहमे मातृभाषा माध्यम मे पढ़ाइ, मैथिली भोजपुरी प्रज्ञा प्रतिष्ठान के स्थापना, लोकसेवामे मातृभाषा माध्यम मे परीक्षा के व्यवस्था सहितक मांगसब रहल अछि।

नेपाल सरकारक संस्कृति मंत्री के भाषा सम्बन्धी चारि सूत्रीय मांगसहितक ज्ञापन पत्र अलग स काठमांडू पठाओल गेल अछि जाहिमे नेपालक संविधान मे भाषा सम्बन्धी अनुसूचीक मांग प्रमुख रहल अछि। प्रदेश आ केन्द्र मे सम्बन्धित निकायसबके सेहो बोधार्थ पत्र पठाओल गेल अछि।

हस्ताक्षर कर्ता संस्था सबमे धनुषा स मैथिली साहित्यकार सभा, मिथिला नाट्य कला परिषद्, रामानन्द युवा क्लब, मैथिली विकास कोष, रंग बाटिका, सप्तरी स मैथिली साहित्य परिषद्, मिथिला साहित्य कला प्रतिष्ठान, सिरहा स मिथिला स्टुडैन्ट युनियन, महोत्तरी स मिथिला संस्कृति विकास केन्द्र, सर्लाही स समाज सेवा युवा संघ, रौतहट स नेपाल मैथिल समाज रौतहट शाखा आ पर्सा स नेपाल भोजपुरी समाज रहल छल ।