अपील
विषयः आगामी ‘रन फोर दहेज मुक्त मिथिला – २०१८’ सम्बन्ध मेः ऐगला दौड़ जाड़क मास मे
हाल धरि ४ टा मेगा रन केर आयोजन सम्पन्न कय चुकल ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर आगामी मैराथन दौड़ आब जाड़क महीना मे कयल जेबाक बात प्रस्तावित अछि।
१. दरभंगा सँ पटना – मेगा मैराथन, विश्व रेकर्ड निर्माणार्थ तथा बिहार प्रान्तक मुख्यमंत्री सम्माननीय नीतीश कुमार जी द्वारा कयल गेल घोषणा ‘दहेज मुक्त बिहार’ केर सपना केँ बल देबाक लेल राष्ट्रव्यापी अभियानक रूप मे ई आयोजन कयल जायत। एकर संयोजन श्री राजेश झा, दरभंगा करता।
२. कुशेश्वरस्थान सँ उग्रतारा होइत विद्यापतिधाम (लछमिनियाँ) सहरसा धरिक मैराथन – संयोजकः श्री संजय सिंह (कुशेश्वरस्थान) तथा श्री अमित आनन्द (उग्रतारास्थान) तथा श्री भोगेन्द्र शर्मा निर्मल (विद्यापतिधाम, लछमिनियाँ, सहरसा) – देवाधिदेव महादेव श्री श्री १०८ श्री कुशेश्वरनाथ तथा पराम्बा मैया उग्रतारा भवानीक पवित्र तीर्थस्थल होइत मिथिलाक दशरथ माझी कहेनिहार श्री भोगेन्द्र शर्मा निर्मल निर्मित विद्यापतिधाम धरिक ई दौड़ आइ धरिक सब सँ अधिक जनमानस सँ सम्पर्क आ पूर्वी-पश्चिमी मिथिला केँ जोड़यवला होयत।
एहि सन्दर्भ मे आजुक लिखल ई पत्र विशेष जानकारी करा रहल अछि ताहि पर ध्यान दी, अपन संग, सहयोग आ समर्थन लेल आगू आबय जाउ। खास कय प्रायोजक, धावन लेल युवा आ जनसम्पर्क सँ लैत विभिन्न व्यवस्थापन, विज्ञापन आदि लेल सेहो सम्पर्क कय सकैत छी। ध्यानार्थ – श्री आरके दीपक एवं श्री मनोज शर्मा व श्री किशोर कुमार झा तथा श्री कौशल किशोर चौधरी।
आदरणीय संजय भाइजी, प्रिय राजेश भाइजी!
दहेज मुक्त मिथिला निर्माणार्थ अहाँ सभक निरन्तर प्रेम आ सहयोग संग जनजागरण केर दुइ-दुइ गोट महाघोषणा पर हमहुँ सब निरन्तर योजना बना रहलहुँ अछि। दरभंगा सँ पटना वला दौड़ पूरे राष्ट्रीय-अन्तर्राष्ट्रीय स्तर पर चर्चा मे जायत, ताहि तरहक प्रारूप पर हमरा लोकनि एक राउन्ड बैसार कय चुकल छी। चूँकि योजना विकास आ कार्यक्रमक प्रारूप काफी गंभीर विषय थिकैक, ताहि लेल सब बात (साधन, सहयोग, प्रायोजक, सुविधा, जनसमर्थन… आदि) पर ध्यान रखैत हमरा लोकनि पूर्ण गोपनीयता सँ काज कय रहल छी। बहुत जल्दी राजेश भाइजीक कथनानुसार सहयोगीजनक सकारात्मक समर्थन ग्रहण केलाक बाद मैराथन दौड़ केँ अफिसियल लिस्टींग, वर्ल्ड रेकर्ड निर्माणक स्थिति आ बाटक समस्त जोगार पर सब बात तय करैत जाड़क महीना मे ओ आयोजन होयत।
तहिना, बाबा कुशेश्वरनाथक पवित्र स्थान सँ माँ उग्रतारा भवानीक स्थान धरि, एकरे एक्स्टेन्डेड रूप विद्यापतिधाम धरि कुल ६०-७० किलोमीटर केर दौड़ पर श्री अमित आनन्दजीक संयोजन मे चर्चा निरन्तरता मे अछि। एकर ओपनिंग करबाक लेल आ धावक सब केँ ग्रीन फ्लैग देखेबाक लेल कुशेश्वरस्थानक सम्पूर्ण संयोजन भार संजय भाइ पर रहत। लगभग १५० आदमीक भोजन, विश्रामक इन्तजाम मुख्य बात हेतैक। तहिना स्थानीय पदाधिकारी आ युवा सब केँ समेटबाक तथा संचारकर्मी लोकनि केर उपस्थिति, समाचार कवरेज आदि सेहो अपनहि पर रहत। रास्ता केर सब इन्तजाम आ गाईड मनोज शर्मा, किशोर कुमार झा, आ मैराथन रेस डायरेक्टर स्वयं आर के दीपक, दौड़ लेल मुख्य धावक कौशल किशोर चौधरी स्वीकृति दय देने छथि।
विशेष, एहि दिशा मे तिथिक घोषणा लेल हमरा लोकनि शीघ्र एकटा सामूहिक वार्ता (आनलाईन) मार्फत सब किछु तय करब आ ताहि अनुरूपे प्रचार-प्रसार आ तैयारी आरम्भ करब। अपने लोकनि अपन स्नेह आ आशीर्वाद दैत रही। अपन मिथिला स्वच्छ हो। सभक सोच नीक होइ। कलंक थिक दहेज, ई बन्द हो। स्वेच्छाचारिता सँ लोक बेटी-बेटाक विवाह तय करय। मिथिला पवित्र धरती पर वीर आ पवित्र सन्तान सभ आओत। जानकी केँ प्रसन्नता हेतनि।
हरिः हरः!!