दिल्ली, १४ जून, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
दिल्ली के नगर निगम मुख्यालय सिविक सेंटर मे मैथिल समुदायक रहल धूम

शपथ ग्रहण के अवसर अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति के अंतर्राष्ट्रीय संयोजक प्रो० अमरेन्द्र कुमार झा दर्जनों कार्यकर्ता संग पहुँचि समारोह के हिस्सा बनलथि । नव अध्यक्षा के पुष्प गुच्छ सँ सम्मानित केलैनि आ हुनकर पति श्री मिथिलेश सिंह के पाग पहिराय मिथिलाक मान बढेलैनि। तहिना नव अध्यक्ष श्री संजय ठाकुर आ श्री श्यामजी मिश्रा के पाग पहिराय सम्मानित केलैनि।
बता दी जे संघर्ष समिति नगर निगम चुनाव सँ लय कय नव पार्षद के मैथिली मे शपथ ग्रहण तक मैथिल के बीच खूब मेहनत आ लगन सँ सफलता के पहिलुक बेर नव झंडा गाङलक आ ७टा मैथिल के मैथिली मे शपथ ग्रहण दिल्ली नगर निगम मे भेल। एकरे परिणाम अछि जे सब नवका अध्यक्ष संघर्ष समिति के विशेष आमंत्रण पर सिविक सेंटर बजौने रहथि।
संघर्ष समिति सँ वरिष्ठ पत्रकार डा० समरेन्द्र पाठक, हीरालाल प्रधान, गोपालजी ठाकुर, रतन ठाकुर, साजन झा, आर के झा, सनत सिंह आ अनिल सिंह चौहान प्रमुख रहथि। संघर्ष समिति के राष्ट्रीय प्रवक्ता ईंजीनियर शिशिर कुमार झा मोबाइल पर सम्पर्क कय तीनू मैथिल पार्षद के अध्यक्ष बनय पर बधाई देलैन आ हुनका सब सँ आग्रह केलैनि जे दक्षिणी दिल्ली नगर निगम मे रहयवाला मैथिल पर विशेष ध्यान दैथि कियैक त मैथिल के मिथिला सँ दूर दिल्ली मे सदैव मदद के आवश्यकता छैन्हि।