मई १२, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!
भारतीय प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अपन दुइ-दिवसीय नेपाल भ्रमण कय केँ आइ स्वदेश वापस चलि गेलाह। काल्हि जानकीजीक पूजा-अर्चना कयलाक बाद जनकपुरक बारहबिघा स्थित रंगभूमि मैदान मे हुनका नागरिक अभिनन्दन जनकपुर महानगरपालिकाक मेयर लाल किशोर साह द्वारा देल गेलनि, तहिना आइ काठमांडू महानगरपालिकाक मेयर द्वारा सेहो हुनका नागरिक अभिनन्दन कयल गेलनि।
जनकपुर केर नागरिक अभिनन्दन समारोह मे जतय मैथिलीक एक वरिष्ठ गायक सुनील मल्लिक केर उपस्थिति देखल गेल, तहिना आइ काठमांडू मे सेहो पीएम मोदीजीक स्वागत अभिनन्दन लेल मैथिली सहित नेपाली गीतक गायन मे एक बेताज बादशाह मैथिल रामा मंडल केर उपस्थिति रहल छल। रामा मंडल अन्य दुइ पुरुष तथा तीन महिला गायिकाक संग मोदीजीक समक्ष स्वागत-अभिनन्दन गान प्रस्तुत कयलनि।
विदित हो जे जनकपुर मे डा. चन्द्रमणिक रचना ‘मंगलमय दिन आजु हे, पाहुन छथि आयल’ केर गान भेल छल। तहिना काठमांडूक अभिनन्दन समारोह मे रामा मंडलक उपस्थिति मे गायल गेल नेपाली गीतक विलक्षण बोल आ भारत-नेपाल केर संयुक्त गान केर अम्बार देखल गेल छल। प्रकाशगम्भीरसिंह रायमाझीक लिखल, भूपेन्द्र रायमाझीक संगीत जेकरा सामूहिक स्वर देनिहार छलाह गायक रामा मंडल, विजयनारायण मानन्धर, मनिषा पोखरेल, मीना सी आदि। प्रस्तुत अछि गीतः
स्वागतम् स्वागतम् स्वागतम्
अभिनन्दन! अभिनन्दन!! अभिनन्दन!!!
जसरी पानी संग पानी मिल्छ, मित्रतामा हात संग हात
नेपाल भारतको सम्बन्ध छ शताब्दि देखि साथ साथा
नेपालमा जन्मे बुद्ध भारतमा जन्मे राम
यहाँ पशुपतिनाथ, वहाँ बाबाधाम
प्रेमको सौगात बाँड्दै, दिउँ यही सन्देश
हामी हौं, असल छिमेकी स्वाधिनताको देश
जसरी पानी संग…..
सद्भावले वैरभावलाई टाढा टाढा भगाउँछौं
चन्द्र सूर्य र तिरंगा दुवै शान्तिका पुजारी हौं
मित्रताको यो बन्धन अझै सशक्त बनाउंछौं
सातै सुरको प्रेमको वीणा मिलीजुली साथ बजाउंछौं
जानकीले पाईन वर, दशरथ नन्दन राम
वहाँ बाबा विश्वनाथ, यहाँ जनकपुरधाम
प्रेमको सौगात बाँड्दै…..
जसरी चन्द्र सूर्य नभमा, अटल हाम्रो नाता छ
यहाँ सगरमाथा छ, उहाँ महासागर लहराउँदो छ
एक आपसको सहयोगले हामी अघि बढ्दै जानु छ
मित्रताको यो दृष्टान्त, दुनियाँलाई देखाउनु छ
इतिहासमै स्वर्ण अक्षर नेपाल र भारतको नाम
यहाँ बाबा मुक्तीनाथ, वहाँ बद्री केदार धाम
प्रेमको सौगात बाँड्दै…