Search

११-सूत्रीय मांग लेल दरभंगा मे धरनाः अभामिरासंस केर नेतृत्व

348 भ्यूज

दरभंगा, अप्रैल १२, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति द्वारा दरभंगा मे विभिन्न ११ सूत्रीय मांग लेल धरना-प्रदर्शन कयल गेल अछि।

मैथिली के द्वतीय राजभाषा के दर्जा संग निम्नलिखित ग्यारहसूत्री मांग :-

1. मिथिलाक समग्र विकास लेल अविलंब पृथक मिथिला राज्यक गठन हो।

2. केंद्र और राज्य सरकारक सभ कार्यालय में मैथिली अनुवादक बहाल कयल जाय आ सरकारी ऑफिस पर मिथिलाक्षर में बोर्ड टांगल जाय।

3. मैथिली में प्राथमिक शिक्षा अनिवार्य कयल जाय। 4.मिथिलाक सभ रेलवे टीसन सरकारी ऑफिस पर मिथिलाक्षर में बोर्ड टांगल जाय आ मैथिली में उद्घोषणा कयल जाय।

5. दरभंगा में हाईकोर्ट बेंच स्थापित कयल जाय। 6.बाढ़ आ रौदीक स्थाई निदान हो।

7. बन्न चीनी मिल, जूट मिल ,कागत मिल आदिकेँ चालू करबाक संग नव उद्योगक स्थापना क रोजगारक अवसर ठाढ कयल जाय।

8. मिथिलाकेँ शिक्षाक केंद्र बना छात्र के पलायन रोकल जाय।

9. आकाशवाणी दरभंगासँ समस्त प्रसारण मैथिली में हो ।

10. मिथिला क्षेत्र में दूरदर्शन प्रसारण लेल केंद्रक स्थापना कयल जाय।

11. आकाशवाणी दरभंगा में समाचार एकांश स्थापित क प्रादेशिक समाचारक संग मैथिली में समाचारक प्रसारण सुनिश्चित कयल जाय।

उपयुक्त मांगक पुर्ति नहि हेबाक स्थिति में समिति अपन आंदोलनकेँ आरो धरगर बनायत । समिति अपन परम लक्ष्य पृथक मिथिला राज्य गठन आ मिथिलाक सर्वांगीण विकास के लेल संकल्पित अछि। दरभंगा कमिश्नरी परक आजुक धरनाक किछु दृश्य

Related Articles