नेपालक संस्था ‘भोर’ केँ भारत मे सम्मान

काठमांडू, अप्रैल १०, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

भोर संस्थाक संस्थापक-संचालक राजकुमार महतो अपन स्टेटस मार्फत हुनका द्वारा संचालित संस्था ‘भोर’ केँ ‘मिथिला सेवा सम्मान’ सँ सम्मानित कयल जेबाक जनतब देलनि अछि। ई सम्मान दरभंगाक बलभद्रपुर मे आयोजित ‘मिथिला महोत्सव’ मे देल गेलनि अछि।

श्री महतो एहि सम्मान केँ जानकीक चरण मे अर्पित करैत सम्पूर्ण मिथिला तथा नेपाल केँ समर्पित करबाक भावना व्यक्त कयलनि अछि। ओ कहलनि अछि जे भारत मे मिथिला सेवा सम्मान सँ विभूषित हुनका लोकनिक विशेष भूमिका जे जनकपुरधामक जानकी मन्दिर केँ विश्व सम्पदा स्थल मे सूचीकृत करेबाक पहल सन् २०१४ सँ करैत आबि रहल अछि ताहि लेल भेटल अछि। “हमरा सभक कार्य केँ कदर करैत भारतक मैथिली लोक संस्कृति मंच – दरभंगा’ द्वारा ७ अप्रैल, २०१८ केँ २१म मिथिला महोत्सवमे भोर केँ मिथिला सेवा सम्मान सँ विभूषित कयल गेल अछि।” एहि अवसरमे भोरक सम्पुर्ण सदस्य, शुभेच्छुक लोकनि एवम् एहि अभियानमे संग, सहयोग आर सहकार्य कयनिहार ज्ञात अज्ञात सम्पुर्ण व्यक्तित्व आर संस्था सब केँ बधाई तथा साधुवाद ज्ञापन करैत सम्मान करयवला संस्था प्रति आभार सेहो प्रकट कयलनि अछि ओ।