Search

विराटनगर मे राष्ट्रीय महिला नाट्य उत्सव काल्हि सँ ३ दिन धरि

विराटनगर, ५ मार्च, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

विराटनगर मे २२-२३-२४ फागुन केँ राष्ट्रीय महिला नाट्य उत्सव आरोहण गुरुकुल मे होयत

पूर्व मे देल सूचना जे अन्तर्राष्ट्रीय महिला रंग उत्सव विराटनगर मे होयत से नहि भऽ सिर्फ राष्ट्रीय महिला रंग उत्सव विराटनगर मे २२-२३-२४ गते फागुन तदनुसार ६-७-८ मार्च २०१८ केँ आरोहण गुरुकुल मे होयबाक बात निश्चित भेल अछि।

२२ गते ११ बजे सँ एकर उद्घाटन लेल संभावित अतिथि मुख्य मंत्री प्रदेश १ केर संग सामाजिक-संस्कृति मंत्री आदि द्वारा कयल जेबाक जनतब आयोजनकर्ता सँ भेटल।

प्रत्येक दिन ३ गोट महिला रंगकर्मीक एकल नाट्य प्रस्तुति होयत, उद्घाटन सत्रक संग मैथिली मे प्रियंका झा द्वारा ‘कथा नइ भेटल’, नेपाली मे अणु श्रेष्ठ द्वारा ‘बन्द बाकस’ तथा दोसर नेपाली मे कविता नेपाल केर प्रस्तुति ‘सुनामी’ केर प्रदर्शन कयल जायत।

दोसर दिन पुनः ३ गोट प्रस्तुति ‘म रुपियाँ’, ‘विसङ्गत’ आ ‘वरी’ क्रमशः शिल्पी कला समूह, काठमांडू लगायत अन्य-अन्य रंगकर्मी समूह द्वारा प्रस्तुत कयल जायत।

तेसर दिन फेरो ३ गोट प्रस्तुति ‘देउकाशी’, ‘चितावाट प्रश्न’, ‘खेतको गङ्गेटो’ केर प्रस्तुति विभिन्न महिला रंगकर्मी द्वारा प्रस्तुत होयत।

हरिः हरः!!

Related Articles