Search

यूपीए जीतत त ड्रामावाली भाजपा सरकारक मुखिया केँ जेल मे बंद कयल जा सकत

अररिया, जनवरी २५, २०१८. मैथिली जिन्दाबाद!!

प्रधानमंत्री १५ सूत्री कार्यक्रम कार्यान्वयन समिति, बिहार सरकार केर पुर्व कार्यकारी अध्यक्ष एवं बिहार प्रदेश कांग्रेस कमेटी केर नेता इन्तेखाब आलम काल्हि २४ जनवरी, २०१८ रांचीक जेलमें राजद केर राष्ट्रीय अध्यक्ष श्री लालू प्रसाद यादव सँ भेंट कय केँ हुनकर स्वास्थ्यक हालचाल लेलनि । श्री आलम आजुक भेंटघाँट उपरान्त पत्रकार लोकनि सँ बात करैत कहलनि जे यूपीए गठबंधन केर दिग्गज नेता एखन जेल मे छथि ताहि सँ एक शिष्टाचार भेंट करबाक लेल आयल रही। एहेन दुःखक घड़ीमे हम तमाम समान विचारधाराक लोक हुनका संग छी। श्री आलम ईहो कहलनि जे बहुत जल्दी सबकिछ ठीकठाक भऽ जायत आर अटुट यूपीए गठजोड़ केर माध्यम सँ २०१९ केर लक्ष्य केँ हासिल कयल जा सकत। संगहि, ड्रामा वाली भाजपा सरकार केर मुखिया केँ पिंजरा मे बंद कयल जा सकत। मैथिली जिन्दाबाद केँ प्राप्त लिखित प्रेस विज्ञप्ति स्वयं नेता इन्तेखाब आलम द्वारा फेसबुक मार्फत पठाओल गेल अछि।

Related Articles