अहमदाबाद। दिसम्बर १३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
भले मिथिलाक मूल धरातल पर पाग पहिरबाक चलन सिर्फ कोनो काजे-प्रयोजन मे अथवा बाहर सँ आयल कोनो विशिष्ट पाहुन – सम्माननीय नेता लोकनि केँ पाग पहिराकय सम्मान देबाक प्रचलन अपन मूल मिथिला मे बाँचि गेल हो – लेकिन गुजरात मे भाजपा द्वारा मैथिल नेता केँ मिथिला सँ बजा पाग पहिरिकय प्रचार करबाक एक अनुपम शैलीक प्रयोग कयलक अछि।
पूर्व विधायक सह बिहार भाजपा प्रदेश उपाध्यक्ष गोपाल जी ठाकुर तथा बिहार भाजपा प्रदेश महामंत्री श्री शुशील चौधरी, बेतिया जिलाके निवर्तमान जिलाध्यक्ष एवं प्रदेश कार्यसमिति सदस्य संजय पांडे, भाजयुमो प्रदेश कार्यसमिति सदस्य राहुल शर्मा एवं बिहार भाजपा केर पदाधिकारी मिथिला भेष-भूसा मे भारतीय जनता पार्टी केँ समर्थन करबाक तथा आगामी राज्य विधानसभा चुनाव मे भाजपा केँ वोट देबाक लेल अलग-अलग क्षेत्र मे लोक सब केँ जागरूक कयलनि। एहि अवसर पर हुनका संग प्रवीण झा, सर्व श्याम झा, बैजू चौधरी, रामनाथ मिश्रा एवं विधान झा सेहो संग देलनि।
एहि प्रचार सँ अपन मिथिलाक लोक मे जे नव उत्साह देखायल ओ त अद्भुद रहबे करय, मुदा गुजराती जनमानस सेहो मिथिलाक पाग आ हमरा लोकनिक विशिष्ट परिधानक बारे जिज्ञासा करैत देखेलाह – जिनका भ्रमण टोलीक तरफ सँ स्थानीय भाषा मे पर्यन्त हम बुझेलहुँ। बड नीक अनुभव भेल। – ई बात उपरोक्त टोली केँ संग देनिहार आ मैथिली-मिथिलाक पहिचान केर रक्षा मे निरन्तर योगदान देनिहार विधान झा मैथिली जिन्दाबाद केँ बतौलनि।

4 Comments
सहीं में ई अद्भुद दृश्य छल , हमहू सब गदगद भए गेलौ ओहो मिथिला मैथिलि के लेल BJP के प्रयास बतेलाह , गुजराती जनमानस सेहो पग के महत्व बुझलक . धन्यवाद प्रवीण जी जे अपने एकरा छपलाउ
बहुत सूंदर समाचार अछि, सतत प्रायसरत रहैत छी जे कोना मैथीली और आगू बढ़त. बहुत खुश होइत छी जखन कोनो लेख अथवा समाचार मैथिलि में पढ़ैत छी. धन्यवाद क पात्र छैथ ओ लोकनि जे एहि तरह स मैथिलि में समाचार उपलब्ध करबैत छैथ !
जय मिथिला, जय मैथिलि !
इ पाग विश्व भरि मे सबकेर माथ पर हो ।
अतिसुंदर ।मैथिल सभ्यता और संस्कृति केर अखिल भारतीय प्रसार कयनिहार मिथिला विभूति छथि ।
जनक और जनक सूता से है मेरी पहचान ।
उदयन मंडन विद्यापति से भारत मिथिला महान ।
सांख्य न्याय के हम प्रणेता
कपिल व गौतम संगहि गेता ।
फैलैय सबतरि मैथिल रीति
सबसों राखब सदिखन प्रीति ।