Search

प्रवीण नारायण चौधरी

१५ सँ २७ फरबरी २०२१ मे चलत श्रीराम मंदिर निधि समर्पण अभियान

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। २० दिसम्बर २०२०। मैथिली जिन्दाबाद!! 15 जनवरी स 27 फ़रवरी तक चलत श्रीराम मंदिर निधि समर्पण अभियान अयोध्या में श्री राम जन्मभूमि पर बनय वाला भव्य मंदिरक लेल सम्पूर्ण देशक सब राम भक्त लोक स सहयोग लेल जायत। एकरा लेल विश्व हिन्दू परिषद केर कार्यकर्ता पूज्य संत व शेष समाजक साथ घर-घर १५ सँ २७ फरबरी २०२१ मे चलत श्रीराम मंदिर निधि समर्पण अभियान

एन्टा अमेरिका द्वारा विवाह पंचमी एवं महाकवि विद्यापतिक स्मृति समारोह क्रमशः आइ आ काल्हि

१९ दिसम्बर २०२० । मैथिली जिन्दाबाद!! एन्टा – एसोसिएशन अफ नेपाली तराईयन इन अमेरिका – अमेरिका मे नेपालक तराईवासी लोकनिक संगठन द्वारा आइ राम-जानकी विवाह पंचमीक सुअवसर नेपालक समय पौने ९ बजे सँ जूम मीटिंग केर मार्फत कार्यक्रम प्रस्तुत कयल जायत। तहिना काल्हि २० दिसम्बर २०२० केँ महाकवि कोकिल विद्यापतिक स्मृति पर्व समारोह मनाओल जायत। एन्टा अमेरिका द्वारा विवाह पंचमी एवं महाकवि विद्यापतिक स्मृति समारोह क्रमशः आइ आ काल्हि

सुन्दरकाण्ड (तुलसीकृत् रामचरितमानस केर मैथिली स्वरूप)

जनकात्मजा-रामभार्या जानकी केर परम अनुकम्पा, श्रीहनुमानजीक अद्भुत कृपा आ मैथिली साहित्यक प्रसिद्ध लेखक रमेश केर प्रेरणा सँ श्रीहनुमानचालीसाक अपार सफलताक बाद आब सुन्दरकाण्ड मे सेहो हाथ लगेलहुँ। सम्बल केवल सीताराम छथि। जेना-जेना तैयार होयत अनुवाद, अपने सब लग सेहो राखब। अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी सुन्दरकाण्ड (तुलसीकृत् रामचरितमानस केर मैथिली स्वरूप) मंगलाचरण शान्त शाश्वत अप्रमेय निष्पाप सुन्दरकाण्ड (तुलसीकृत् रामचरितमानस केर मैथिली स्वरूप)

भारत आ नेपाल केर जनगणना आ मैथिली – किसलय कृष्ण केर विचार

विचार – किसलय कृष्ण पहिचानक स्थापना आ भाषिक अधिकार लेल अनिवार्य अछि जनगणना मे मातृभाषाक प्रविष्टि जनगणनाक समय आबि गेल अछि, से प्राय: भारत आ नेपाल दुनू राष्ट्र मे । जनगणना मात्र जनक गणना नहि अपितु कैकटा विन्दुक महत्वपूर्ण दस्तावेज होइत अछि, जाहि आधार पर हमरा सभ केँ विभिन्न संवैधानिक अधिकार भेटल करैत अछि । भारत आ नेपाल केर जनगणना आ मैथिली – किसलय कृष्ण केर विचार

जनगणना मे मातृभाषाक प्रविष्टि मे मैथिली लिखेनाय नहि बिसरब

जनगणना मे मातृभाषा लिखेबाक महत्व एहि विषय पर १०० सँ २०० शब्द मे अपन-अपन विचार पठबय जाउ। मैथिली जिन्दाबाद मे प्रकाशनार्थ ई अनुरोध अछि। नेपाल मे २०२१ ई. (२०७८ विसं साल) मे ८ जून सँ २२ जून (जेठ २५ गते सँ आषाढ़ ६ गते) केर समयान्तराल मे जनगणना होबय जा रहल अछि। जनगणना मे व्यक्तिक जनगणना मे मातृभाषाक प्रविष्टि मे मैथिली लिखेनाय नहि बिसरब

मैथिली मे श्रीहनुमान चालीसा

हनुमान चालीसा (मैथिली अनुवाद) प्रेरणाः लेखक रमेश, दरभंगा – अनुवादः प्रवीण नारायण चौधरी नोटः त्रुटि लेल अग्रिमे क्षमा-प्रार्थना!! दोहाः श्रीगुरुचरणक धूल सँ कय मन दर्पण साफ। गाउ रामके गीत-गुण पाउ चारुफल आप॥ बिनु बुद्धी आ बिनु बले सुमिरी पवनकुमार। बल बुद्धि विद्या दिअ प्रभु हरू कलेस विकार॥ चौपाईः जय हनुमान ज्ञान गुण सागर जय कपीस मैथिली मे श्रीहनुमान चालीसा

सुप्रसिद्ध उद्यमी पुष्पा झा संग साक्षात्कार

साक्षात्कारः विशिष्ट व्यक्तित्व परिचय सहित – प्रवीण नारायण चौधरी अपन मिथिलाक कतेको रास खाद्य पदार्थ आ ओकरा बनेबाक विधि एहेन उपयोगी आ प्रभावकारी अछि जेकरा ब्रान्डिंग आ मार्केटिंग कय केँ उद्यम चलेनाय सहजहि संभव अछि। एहि बात केँ सजीवता सँ संचालन कय रहली अछि पुष्पा झा। मैथिली-मिथिला केर करोड़ों जनता आजुक समय मे सोशल मीडिया सुप्रसिद्ध उद्यमी पुष्पा झा संग साक्षात्कार

डर आ समाधान – मानव जीवनक विलक्षण दर्शन

डर    मोन अछि? बच्चे सँ केना अपना सब केँ पहिने डर देखायल गेल आ फेर डर सँ बचबाक लेल बहादुरी सेहो सिखायल गेल? डर कय प्रकारक छल – भूत-प्रेतक डर, आँधी-बिहाड़िक डर, बिजली-पानि के डर…! लकड़सूंघा के डर, मघैया डोम के डर, गुन्डा-बदमाश के डर…! तहिना अन्जान बाट पर असगरे जेबाक डर, जंगल-झाड़ आदि डर आ समाधान – मानव जीवनक विलक्षण दर्शन

मिथिलावासी दहेज प्रथा छोड़ि स्वेच्छाचारिताक धर्म निर्वाह करैत बेटा‍-बेटीक विवाह मे आगू

जुड़य सँ पहिने अपन नेत आ ईमानदारी चेक करब जरूरी   शुभ समाचार ईहो अछि जे मिथिला समाज तेजी सँ दहेज मुक्त समाज बनि रहल अछि आर एहि अभियान केँ सेहो अधिकाधिक समर्थन समाज द्वारा देल जा रहल अछि। एकर ताजा उदाहरण थिक फेसबुक पर २०११ सँ संचालित ‘दहेज मुक्त मिथिला’ समूह। २०२० केर अन्त-अन्त मिथिलावासी दहेज प्रथा छोड़ि स्वेच्छाचारिताक धर्म निर्वाह करैत बेटा‍-बेटीक विवाह मे आगू

राजविराज मे आधुनिक चिकित्साक सुविधासम्पन्न अस्पताल ‘छिन्नमस्ता’ मे सेवा सुचारू अछि

राजविराज मे छिन्नमस्ता अस्पताल मे सेवा सुचारू अछि खुशखबरी संग-संग बधाई सन्देश अपन पाठक केँ ई जानकारी करबैत हर्ष भऽ रहल अछि जे ‘१७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन-२०१९’ केर एक महत्वपूर्ण प्रायोजक छिन्नमस्ता अस्पताल प्रा. लि. द्वारा राजविराज मे चिकित्सा व्यवस्था सुचारू भऽ गेल अछि। एहि अस्पताल केर स्थापना मैथिली-मिथिला सहित समाज आ राष्ट्र लेल सदिखन राजविराज मे आधुनिक चिकित्साक सुविधासम्पन्न अस्पताल ‘छिन्नमस्ता’ मे सेवा सुचारू अछि