राजविराज मे आधुनिक चिकित्साक सुविधासम्पन्न अस्पताल ‘छिन्नमस्ता’ मे सेवा सुचारू अछि

राजविराज मे छिन्नमस्ता अस्पताल मे सेवा सुचारू अछि

खुशखबरी संग-संग बधाई सन्देश
अपन पाठक केँ ई जानकारी करबैत हर्ष भऽ रहल अछि जे ‘१७म अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली सम्मेलन-२०१९’ केर एक महत्वपूर्ण प्रायोजक छिन्नमस्ता अस्पताल प्रा. लि. द्वारा राजविराज मे चिकित्सा व्यवस्था सुचारू भऽ गेल अछि।
एहि अस्पताल केर स्थापना मैथिली-मिथिला सहित समाज आ राष्ट्र लेल सदिखन असीम दानशीलता रखनिहार मैथिल कारपोरेट आइकौन ई. शैलेन्द्र मोहन झा द्वारा कयल गेल अछि। मैथिली एवं हिन्दीक चर्चित लेखिका-कवियित्री एवं मैथिली अभियानी संग दहेज मुक्त मिथिला नेपाल केर संस्थापक अध्यक्ष करुणा झा एवं पति ई. शैलेन्द्र मोहन झा द्वारा सप्तरी, काठमांडू, विराटनगर आदि मे शैक्षणिक संस्थानक संग एफएम (छिन्नमस्ता, नागरिक) संचालनक संग ई नव उद्यम राजविराज मे प्राइवेट अस्पताल केर रूप मे खोलल गेल अछि।
प्राप्त जानकारी मुताबिक छिन्नमस्ता मेडिकल कालेज व अस्पताल राजविराज मे कुल १५० बेड संग आधुनिक चिकित्साक सब सुविधा उपलब्ध अछि। ईसीजी, आईसीयू, एनआईसीयू, अत्याधुनिक सीटी स्कैन, डिजिटल एक्स-रे, बालरोग विशेषज्ञ, ऑर्थो, स्त्री रोग विशेषज्ञ, दूरबीन पद्धति सँ ऑपरेशन, स्नायु रोग, ओपीडी सेवा, आदि उपलब्ध अछि। विदिते अछि जे राजविराज मे उपलब्ध सरकारी चिकित्सालय केर अवस्था दयनीय रहबाक कारण लोक केँ धरान केर बीपीकेआईएचएस आ विराटनगरक न्युरो, नोबेल, विराट अस्पताल केर सहारा लेबय पड़ैक। लेकिन छिन्नमस्ता मेडिकल कालेज व अस्पताल मे सब सुविधा उपलब्ध होयबाक कारण सप्तरी आ सिरहा जिलाक लोक लेल बड पैघ उपकार भेलैक। कोविड-१९ केर समय मे अस्पताल केर जरूरत देखैत योजना मुताबिक निर्धारित समय सँ पहिनहि अस्पताल चालू कय देल गेल अछि। एकर विधिवत् उद्घाटन बाद मे कयल जायत लेकिन चिकित्सा सेवाक प्रथम जरूरत केँ पूरा करबाक कार्य तत्क्षण कयल जाय से सोचि एहि वर्ष २०२० केर आरम्भहि सँ ई अस्पताल संचालन मे आबि गेल अछि। ई जानकारी करुणा झा देलनि।
श्रीमती झा बतेलीह जे हरेक सप्ताह निःशुल्क स्वास्थ्य शिविर केर आयोजन करबाक संग-संग एहि अस्पताल केर चिकित्सक एवं चिकित्साकर्मीक टोली द्वारा गाम-गाम मे चिकित्सा शिविर लगाकय निर्धन-असहायक केर सेवा सेहो कयल जा रहल अछि। अस्पतालक अपन ३ गोट एम्बुलेन्स उपलब्ध अछि।
हार्दिक बधाई करुणा मैडम एवं ई. शैलेन्द्र मोहन झा सर! हमरा अत्यधिक गर्व होइत अछि जे अपने लोकनि सदिखन अपन भाषा, संस्कृति, समाज आ लोक वास्ते अतुलनीय योगदान दैत आबि रहलहुँ अछि। साक्षात् पराम्बा जानकी अपने केँ आशीर्वाद दैत रहली अछि जे आइ एकटा सक्षम मैथिल कारपोरेट आइकौन केर रूप मे सुप्रतिष्ठित छी। अहाँक योगदानक फेहरिश्त बड लम्बा अछि। एहि पर सेहो कहियो विस्तृत आलेख लिखबाक आवश्यकता छैक। हम अपन मैथिली जिन्दाबाद पर अहाँ लोकनिक एहि अतुलनीय सेवा-योगदानक व्योरा प्रकाशित कय भाग्यवर्धन कय सकब से सोचि रहल छी, कृपया अपने लोकनि सहयोग जरूर करब। एखन एतबे! बधाई पुनः पुनः!!

हरिः हरः!!