विराटनगर, अक्टूबर १७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मैथिली गीत-संगीत आब गाम-टोल आ ग्रामीण समाज सँ बाहर वीडियो एल्बम् – डीजे ट्रैक आ सिडी युग मे प्रवेश पाबि गेल अछि। कतेको रास मैथिली गीतक सिडी बाजार मे आ यूट्युब चैनल आदि पर तहलका मचा रहल अछि। एहि क्रम मे नेपालीय मिथिलाक सप्तरी जिला निवासी सरोज मंडल द्वारा गीत लेखन सँ प्रारम्भ करैत एल्बम प्रकाशनक काज सेहो कयल गेल अछि। सरोज मंडल बहुत कम उमेर सँ मैथिली तथा नेपाली मे गीत-कविता लेखन करैत छलाह, जे बाद मे हुनका एकटा स्थापित गीतकार केर रूप मे लोकप्रियता दियौलकनि। हाल ओ अपन रोजगारक सिलसिला मे मलेशिया प्रवास पर रहितो मातृभाषा मैथिली मे गीत लेखन, एल्बम निर्माण आ प्रकाशनक कार्य अत्यन्त मनोयोग सँ कय रहल छथि। ‘अहाँ केर याद’ नामक अत्यन्त सफल आ प्रसिद्ध एल्बम उपरान्त सरोज मंडल केर लिखल ई दोसर एल्बम ‘परदेश’ जल्दिये विमोचन कयल जेबाक समाचार अछि।
पैछला किछु दिन सँ मोरंग जिलाक विभिन्न स्थान पर अभिनेता-मोडेल जयराम यादव यदुवंशी तथा कसक घिमिरे अभिनीत ‘परदेश’ नामक वीडियो एल्बम सरोज मंडल केर लेखन आ निर्माताक रूप मे बनाओल गेल छैक। एहि एल्बम मे मिथिलाक आम जनमानस केर परदेश जेबाक बाध्यता, अपन लोक सँ दूर हेबाक वेदना आ दूर रहितो अपन माटि-पानि सँ जुड़ल रहबाक बेगरता पर खूब मर्म सँ भरल शब्द सभक संयोजन कय गीतकार सरोज मंडल अपन प्रसिद्धि केँ कायम रखबा मे सफल भेल छथि। एहि गीत सब केँ अपन सुमधुर आवाज सँ सजौलनि अछि हाल-सालक प्रसिद्ध गायक भागवत मंडल, सन्नू कुमार, अंजू यादव, ज्योति विश्वकर्मा आर संगीत देलनि अछि सुप्रसिद्ध संगीतज्ञ शैलेन्द्र विश्वकर्मा। एहि गीत सभक फिल्मांकन नृत्य निर्देशक डर्पी सरदार उर्फ मुस्कान द्वारा कयल गेल अछि। एहि वीडियो केर निर्माता – शिव साह आ छायांकन सन्देश मोटे द्वारा कयल गेल अछि।
एहि सँ पहिनुको एल्बम मे बतौर अभिनेता जयराम यादव यदुवंशी कार्य कएने छलाह, ओ वर्तमान वीडियो एल्बम केर विषय मे मैथिली जिन्दाबाद सँ बातचीत करैत कहलनि जे मिथिलाक गीतनाद मे व्यवसायिकताक बहुत संभावना रहितो एहि दिशा मे सरोज मंडल, शिव साह समान समर्पित लोक बहुत कम रहबाक कारण उल्लेखनीय उपलब्धि नहि भेट पबैत छैक। मुदा हालहि जाहि तरहक कार्य अनुभव भेटल ई संकेत कय रहल अछि जे मैथिली गीतक वीडियो एल्बम केर स्वर्ण युग बहुत जल्दी आओत। ओ कहलैन जे वर्तमान एल्बम ‘परदेश’ केर विमोचन राजविराज मे प्रेस कान्फ्रेन्स करैत जल्दिये कयल जायत।

2 Comments
Bahut nik xai e website aise hamra sab k bahut faida haitai ai se hamra sab k ku6 sikhela milal xai